
काठमाण्डू, १० फागुन : त्रिभुवन विश्वविद्यालय (त्रिवि) अगिला चैत ५ गते होएबला स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियन (स्ववियु) निर्वाचनके कार्यतालिका सार्वजनिक केलक अइछ ।
त्रिवि स्ववियु निर्वाचन केन्द्रीय अनुगमन तथा समन्वय समितिद्वारा शुक्रदिन स्ववियु निर्वाचनके कार्यतालिका सार्वजनिक केलक अइछ । विद्यार्थी कल्याण तथा खेलकुद निर्देशनालयक निर्देशक पशुपति अधिकारी कार्यतालिकाअनुसार उम्मेदवारके मनोनयन इएह फागुन २७ गते निर्धारण कएल गेल बताैलैन । हुनका अनुसार प्रत्यक्ष तथा समानुपातिक उम्मेदवारके मनोनयन दर्ता फागुन २७ गते भोर ११ सँ २ बजेधैर निर्धारित अइछ।
एहिना सङ्घ, सङ्गठन दर्ता इएह फागुन १९ गते, मतदाता सूची प्रकाशन फागुन २१ गते, उम्मेदवारके दाबी विरोध फागुन २८ गते आ अन्तिम उम्मेदवारके नाम फागुन २९ गते प्रकाशित करैबला कार्यतालिका अइछ । त्रिवि मतदान चैत ५ गते भोर ८ सँ दुपहर ४ बजेधैर लेल निर्धारण कएल गेल छै । एहिना त्रिवि क्याम्पस निर्वाचन समिति निर्वाचन तालिकामे आवश्यकतानुसार परिवर्तन, आचारसंहिता लागू करए आ मतदानके दिन आवश्यकता अनुसार समय परिवर्तन होबाक कार्यतालिकामे उल्लेख केलक अइछ । एहिना त्रिवि स्ववियु निर्वाचनके प्रचारप्रसारके समय फागुन २९ गते दिनके २ बजेसँ चैत २ गते राइत १२ बजेधैर आ तकरबाद मौन अवधि निर्धारण होबाक निर्देशनालयके निर्देशक अधिकारी जानकारी देलैन अइछ ।
अइसँ पहिने त्रिवि ‘स्ववियु निर्वाचसम्बन्धी निर्देशिका’ आचारसंहिता जारी भेल अइछ । स्ववियु निर्वाचनमे एकेदिन चैत ५ गते देशभैरक त्रिविके ६२ आङ्गिक आ एक हजार ४० सम्बन्धन प्राप्त क्याम्पसमे हएत । निर्वाचनमे २८ वर्ष उमेरहद आ मिश्रित निर्वाचन प्रणालीमे व्यवस्था कएल गेल अइछ ।