
सिरहा, ११ फागुन: सिरहाक नवराजपुर गाउँपालिका–१ भगवतीपुरके १७ वर्षीय किशोरी रिङ्कु कुमारी सदाके सामूहिक बलात्कार आ शंकास्पद मृत्यु घटनाके जाँचबुझ लेल प्रहरी आठ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेने अइछ।
पंचायत बैसल छल, जत पीड़ित परिवारकेँ घटना नुकाबै आ लेन-देनसँ मुद्दा मिलाबै लेल दबाव देल गेल छल। एहि पंचायत आ प्रत्यक्षदर्शी मिलाके आठ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल छानबिन समितिक संयोजक वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक शान्ति राज कोइराला जानकारी देलैथ। नियन्त्रणमे रहल व्यक्तिक विरुद्ध अइसँ पहिने कोनो जाहेरी दायर नै भेल छल, मुदा यदि पीड़ित परिवारकेँ आर्थिक प्रलोभन देल गेल अइछ, तखन ओहि अनुसार कानूनी कारवाही हएत, कोइराला बताैलैन। शुरूमे इलाका प्रहरी कार्यालय, लहान आत्महत्या दुरुत्साहनके मुद्दामे जाँच करैत छल, मुदा सामूहिक बलात्कारक समाचार सार्वजनिक भेलाक बाद मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय एकटा विशेष छानबिन समिति गठन केलक अइछ।
पीड़ित परिवार बलात्कारके तीन गोटे आरोपी आ पंचायतद्वारा दबाव देनिहार पाँच गोटे पंच सहित आठ गोटेपर वितल वृहस्पैतदिन कर्तव्य जान, जबरजस्ती करणी, शरीर बंधक आ लेनदेन मिलापत्र करैकेँ आरोपमे पूरक जाहेरी दायर केलक। मुदा जाहेरीमे उल्लेखित कोनो व्यक्ति एखन गिरफ्तार नै भेल अइछ। रिङ्कु कुमारीके शव परीक्षण बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान, धरानमे पठाएल गेल अइछ, मुदा एखन रिपोर्ट सार्वजनिक नै भेल वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक कोइराला जानकारी देलैथ।