मधेश प्रदेशके किसान समूहकेँ दू अरब अनुदान देल जाएत


महोत्तरी, १३ फागुनः मधेशक पशुपक्षीपालन केनिहार किसानसभकेँ अनुदान भेटत। कृषि तथा पशुपक्षी विकाश मन्त्रालयके बर्दिबासस्थित आर्थिक करिडोर आयोजना कार्यालय मधेशक एक सओ ७९ किसान समूहकेँ दू अरब अनुदान उपलब्ध करेबाक प्रकृया अन्तिम चरणमे पहुँचल जनौलक अइछ ।
विश्व बैङ्कके आर्थिक सहयोगमे सञ्चालित एहि कार्यक्रम किसानकेँ व्यावसायिक कृषि आ उत्पादनमुखी कार्यमे अभिप्रेरित करबाक उद्देश्यसँ अनुदान देबाक कार्यालय प्रमुख सुरेन्द्र यादव जानकारी देलैन अइछ । कार्यालय प्रदेशक आठु जिलाके किसान समूह छनाैट केलक अइछ । उक्त किसान समूहमे पाँच हजार बेसी किसान आबद्ध रहल कार्यालयक सूचना अधिकृत संतोष प्रकाशके कहब छैन । छनाैटमे पड़ल समूह आ ताहिमे आबद्ध किसानके सङ्ख्या आ प्रस्तावना प्रकृतिके आधारमे अनुदान टका देल जेबाक कार्यालय जनौलक अइछ । रौतहटमे सबसँ बेसी ५५, सिरहामे ४०, सप्तरीमे ३१, महोत्तरीमे २६, धनुषामे २३, सर्लाहीमे १६, बारामे १४ आ पर्सामे ७, करोड़ टका अनुदान देल जाएत ।
समूहद्वारा आनल गेल प्रस्तावमे सम्बन्धित समूह कूल लागतके ५५ प्रतिशत आ कार्यालय ४५ प्रतिशत लगानी करबाक प्रावधान अइछ । प्रदेशभित्रके पूर्वपश्चिम आ हुलाकी राजमार्गके ८४ स्थानीयतहमे ओइ कार्यक्रम सञ्चालित हएत । छोटका उत्पादक आ कृषि मूल्य शृङ्खलामे आबद्ध किसानबीचके बजार सम्बन्धके प्रवर्द्धन तथा उद्यमशीलता विकाशके लेल सहयोगी वातावरण निर्माणमार्फत ग्रामीण उद्यम विकाश करबाक आयोजनाक मुख्य उद्देश्य अइछ ।
किसान समूहकेँ देल जेबाक अनुदानकेँ कार्यालय नवप्रवर्तन अनुदानके रूपमे परिभाषित केलक अइछ । छनाैट भेल समूह, संस्था आ सहकारीमे आबद्ध लाभाग्राही प्रगति प्रतिवेदन पेश कएलाक बाद मात्र भुक्तानी प्रकृया आगू बढ़ेबाक भेलासँ अपेक्षित परिणाम प्राप्त होबाक कार्यालयक अनुमान अइछ । अनुदान चाइर किस्तामे देल जेबाक आ ताहिसँ पहिनेके प्रगति विवरण प्रतिवेदवन अनिवार्य भेलासँ किसान कामके परिणाम देखाबै पड़बाक प्रावधान अइछ । छनाैट भेल किसान समूह पंक्षीपालन, बीउ वृद्धि, भैंसीपालन, दूध डेरी, बकरीपालन, माछपालन आ बङ्गुरपालके प्रस्तावना पेश केलक अइछ । जाहिमे सहकारी तथा वस्तुगत संस्था पहिल चरणके भुक्तानी ल काज शुरू क चुकल कार्यालय जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको