
वीरगञ्ज (पर्सा), १३ फागुनः चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ एक खर्ब चाइर अरब ७६ करोड़ मूल्य बराबरके बराबरके डिजेल, पेट्रोल, लिक्विफाइड पेट्रोलियम ग्यास (एलपिजी), एभिएसन टर्वाइन फ्युल (एटिएफ), मट्टितेल आयात भेल अइछ ।
वितल आवके सात महिनाके तुलनामे चालु आवके सएह अवधिमे ८४ करोड़ टकासँ उपर पेट्रोलियम पदार्थ आयात भेल अइछ । वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयके सूचना अधिकारी अमित तिवारी चालु आवके पछिला महिनामे पेट्रोलियम पदार्थके आयात आ राजस्व दुनुमे वृद्धि भेल बताैलैन । “पूर्वाधार निर्माणके सिजन शुरू भेलासँ पेट्रोलियम पदार्थके आयातमे वृद्धि भेल छै”, ओ कहलैन । वितल आवके सात महिनाके अवधिमे तँ एक खर्ब तीन अरब ९२ करोड़ टका बराबरके पेट्रोलियम पदार्थके आयात भेल छल ।
कार्यालयक अनुसार चालु आवके सात महिनाके अवधिमे सब किसिमके पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ ४३ अरब ११ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । जखनि की वितल आवके सएह अवधिमे सब किसिमके पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ ३८ अरब ६५ करोड़ टकाके राजस्व सङ्कलन भेल छल । चालु आवके सात महिनामे ५१ अरब ७९ करोड़ टका बराबरके पाँच लाख ८१ सात सओ ९९ किलोलिटर डिजेल आयातसँ २३ अरब १० करोड़ राजस्व सङ्कलन भेल वीरगञ्ज भन्सार कार्यालय जनौलक अइछ । तहिना चालु आवके सात महिनामे २२ अरब १४ करोड़ टका बराबरके दू लाख ५५ हजार पाँच सओ ४२ किलोलिटर पेट्रोल आयात भेलासँ १४ अरब ४९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । चालु आवके सात महिनाके अवधिमे २० अरब ९० करोड़ टका बराबरके १८ करोड़ २९ लाख ९४ हजार छ सओ २४ किलोग्राम एलपिजी आयात भेल अइछ । उक्त आयात भेलासँ तीन अरब ९१ करोड़ राजस्व सङ्कलन भेल अइछ ।