गोलबजार (सिरहा), १४ फागुनः इलाका प्रशासन कार्यालय लहान अनलाइनसँ नागरिकता सिफारिस सेवा शुरूआत केलक अइछ ।
सूचना अधिकारी शशिकुमार चौधरी ४० टा वाड कार्यालयसँ नागरिक सहज ढङ्गसँ त्रुटिरहित आ जन्मदर्तासङे नागरिकता विवरणमे एकरुपता अनबाके उद्देश्य ई सेवा शुरू कएल जानकारी देलैन अइछ । गृह मन्त्रालयके योजनाअनुरुप वाड कार्यालयसँ अनलाइन प्रणालीमार्फत नागरिकता सिफारिस भ आबैत पहिल दिन लहान नगरपालिका–१५ क अनुसार लहान नगरपालिका–१ क हेमशङ्कर साहुकेँ नयाँ नेपाली नागरिकताके प्रमाणपत्र प्रदान कएल गेल इलाक प्रशासन कार्यालयक प्रमुख गोकर्णराज सुयाल बताैलैन ।
ओ कहलैन, “वाडमे अनलाइन दर्ता करैत काल किछ कागजात अपुग हएत तँ अनलाइनेमे इलाका प्रशासनद्वारा सुधार कएल जाएत । अनलाइन भ चुकल कागजकेँ देखैत नागरिकता देल जाएत ।” रसेरस कागज ल क अएबाक बाध्यता नै रहत ओ बताैलैन । कार्यालयक अनुसार वाडमे अनलाइन भैर चुकल सेवाग्राही कार्यालयसँ आब नागरिकता ल क मात्र जा रहल छै ।
>पहिने जकाँ बहुतबेर दौडधुप करबाक अवस्था आब नै रहत । इलाका प्रशासन कार्यालय लहानके कार्यक्षेत्रमे लहान नगरपालिका, भगवानपुर गाउँपालिका, सखुवानन्कारकट्टी गाउँपालिकाक सबटा वाड आ धनगढीमाई नगरपालिकाके वाड नं १२, १३ आ १४ एहिना लक्ष्मीपुरपतारी गाउँपालिकाक वाड नं २, ६ आ नवराजपुर गाउँपालिकाके वाड नं १ रहल कार्यालय जनौलक अइछ ।
लहानमे अनलाइनसँ नागरिकता सिफारिस सेवा शुरू
