मुशहर समुदाय लक्षित निःशुल्क बाल कक्षा सञ्चालन


शम्भुनाथ (सप्तरी), १५ फागुनः अति पिछड़ल हरवाचरवाह मुशहर समुदायक बालबालिकामे शिक्षाप्रति आकर्षण बइढ़ रहल अइछ। किछु वर्ष पहिनेधैर एहि समुदायक बहुत कम बालबालिका विद्यालय जाइत छल, मुदा हाल विद्यालय जएनिहार संख्या उत्साहजनक रूपेँ बइढ़ रहल अइछ। सप्तरीक शम्भुनाथ नगरपालिका-१० रामपुर जमुवास्थित मुशहर बस्तीमे ९ वर्षीय आकाश सदा पहिने विद्यालय नै जाइत छल । घरसँ मात्र पाँच सओ मिटर दूर विद्यालय रहलाक बादो ओ अपन समय घरमे खेलेर बितबैत छल, मुदा आब ओ कपी-किताब झोलामे राइख, विद्यालय जाइत छैथ। ओतै, १० वर्षीय पारस सदा, जे पहिने अपन माता-पिता सङ खेतमे काज करैत वा साहु-महाजनक गाए-महिष चराबैत छल, आब नियमित विद्यालय जएनाइ शुरू क देने छैथ। रामपुर जमुवा आ खोक्सर प्रवाहा मुशहर बस्तीमे सेहो बच्चासभ विद्यालय जएनाइ शुरू कएने छैथ। एहि परिवर्तनक मुख्य कारण नगरपालिकासँ हरवाचरवाह परिवारके बालबालिकाकेँ लक्षित क निःशुल्क बाल ट्युसन कक्षाक संचालन केने अइछ। निःशुल्क बाल ट्युसनके प्रभाव पछिला तीन वर्षमे, हरवाचरवाह आ मुशहर समुदायसँ विद्यालय जाएबला बच्चासभक संख्या १२सँ बइढ़ ३०० पार भ गेल अइछ। हरवाचरवाह शम्भुनाथ नगर बाल क्लबक अर्जुन सदा कहलैथ,“पहिने एहि समुदायक बालबालिका खेलकुदमे समय बितबैत छल, मुदा निःशुल्क बाल कक्षा संचालन भेलाक बादेँ पढ़ाइप्रति रुइच बइढ़ गेल अइछ।”

रामपुर जमुवा ट्युसन कक्षाक शिक्षक पुनित चौधरी कहलैथ, “पहिने माता-पिता बच्चासभकेँ विद्यालय पठाएनाइ जरूरी नै बुझैत छलैथ, मुदा आब अभिभावकसभमे सेहो जागरूकता बढ़ल अइछ आ ओ अपन बच्चाकेँ पढ़ेबाक लेल प्रेरित क रहल छैथ।” विद्यालयमे नामांकन आ सुविधासभ श्रीपुर्राज सामुदायिक केन्द्रक प्रमुख व्यवस्थापक लिडर विनोदानन्द चौधरी बताैलैन “एहि अभियान अन्तर्गत ३०० सँ बेसी बच्चा नियमित अध्ययन क रहल अइछ, जाहिमेसँ २०० केँ स्थानीय विद्यालय पहुँचबामे अनबाक सफलता भेटल अइछ। संस्थाके दिससँ बच्चासभकेँ निःशुल्क शैक्षिक सामग्री आ स्कूली झोड़ा सेहो प्रदान कएल गेल अइछ।

विद्यालय बाहिर रहल बच्चासभक लेल तीन शिक्षक आ एक दर्जन स्वयं सेवकसभके सहयोगसँ नौँ महिनाक बाल शिक्षा कार्यक्रम चलाओल जा रहल अइछ। श्रीपुर्राज सामुदायिक विकाश केन्द्रक सहजकर्ता बिजली राम कहलैथ, “२०० बच्चासभकेँ विद्यालय नामांकन करा देने छी, आ बाकी बच्चासभकेँ सेहो विद्यालयसँ जोड़बाक प्रक्रिया जारी अइछ।” अगिला लक्ष्य गरिबी आ अभावसँ ग्रस्त हरवाचरवाह आ मुशहर समुदायक बच्चासभ आइयो विद्यालय देखबासँ वंचित छैथ, मुदा संस्था अगिला शैक्षिक सत्रसँ एहन बच्चासभकेँ विद्यालय संलग्न करबाक पूर्ण प्रयास क रहल अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको