रिङ्कु सदाकेँ न्याय दिएबामे सहयोग करबाक अध्यक्ष दाहालके प्रतिबद्धता


काठमाण्डू, १७ फागुनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ सिरहाके नवराजपुर गाउँपालिका–१ भगवतीपुरस्थित रिङ्कुकुमारी सदाके घरमे पहुँच क हुनका न्याय दिएबामे सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ । सामूहिक बलात्कारपीडित १७ वर्षीय किशोरी रिङ्कुकेँ न्याय के बदला स्थानीय पञ्चायतमे मिलापत्र करए प्रयास कएलाक बाद ओ मृत भेटल छलीह।

जनतासङे माओवादी तराई– मधेश जागरण अभियानक क्रममे सिरहा पहुँचल अध्यक्ष दाहालसहित माओवादी केन्द्रक नेतासभ आइ दिवङ्गत रिङ्कुके घरमे पहुँचल अइछ ।

अपन पार्टी रिङ्कुकेँ न्याय दिएबामे संसद्मे आवाज उठौने जानकारी दैत ओ जल्दिए न्यायक लेल पहलकदमी करबाक अध्यक्ष दाहालके निजी सचिवालय जनौलक अइछ । बितल माघ २७ गते राइत शौच करए घरसँ बहार निकलल रिङ्कु स्थानीय तीन गोटे युवासँ सामूहिक बलात्कारमे पड़ल बतौने छलैथ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको