चाइर आदिवासी जनजाति पत्रकार पुरस्कृत


बारा, १७ फागुन । नेपाल आदिवासी जनजाति पत्रकार महासंघ (फोनिज)द्वारा चाइर गोटाके पुरस्कृत कएल गेल अइछ ।

कार्यक्रममे देवनारायण गनिया स्मृति पत्रकारिता पुरस्कारस` वरिष्ठ पत्रकार राससके बारा प्रतिनिधि सत्यप्रसाद श्रेष्ठ, सामुदायिक रेडियो सर्लाहीमे कार्यरत रिना आले, क्रिएटिभ क्रियाशील पत्रकारिता पुरस्कार गोरखापत्र दैनिकके जनकपुरधाम समाचारदाता लक्ष्मी चौधरी आ पूर्वेली दृष्टि साप्ताहिकके सम्पादक तथा पब्लिक प्रेस दैनिकक सहसम्पादक सप्तरी निवासी डम्बर राईके पुरस्कृत कएल गेल अइछ । फोनिज मधेश प्रदेशक शइन दिन बाराको कोल्हवीमे आयोजित पाँचम् साधारण सभामे हुनका सबके पुरस्कृत कएल गेल अइछ ।
कार्यक्रममे मधेश प्रदेशक सभामुख रामचन्द्र मण्डल हुनका सबके नगद जनही दस हजार, सम्मानपत्र सहित दोसल्ला ओढाके सम्मान कएल गेल अइछ । महासंघक प्रदेश अध्यक्ष दुश्यन्त चौधरीक अध्यक्षतामे साधारण सभा सम्पन्न भेल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको