
जनकपुरधाम । इंटरनेशनल स्टार हनी सिंहके नबका गाना ’ गोरखपुरके गायिका रागिनी विश्वकर्मा अपन भोजपुरी अंदाजमे गायकीके कारण सामाजिक सञ्जालमे भाइरल बनल अइछ ।
एक साप्ताह पहिने सार्वजनिक भेल गानामें रागिनी ’दीदियाके देवर चढ़वले बाटे नजरी’ पंक्ति के अपन आवाज देने छइथ । रागिनी विश्वकर्मा उत्तर प्रदेशक गोरखपुर, तरकुलहा इलाकासं छइथ। हुनकर गायकी के सफर मंदिर, मेला आ सड़क किनारे हारमोनियम आ ढोलक बजा क’ गीत गेबै सं शुरू भेल छल। ओ विगत चारि वर्षस` सोशल मीडिया पर एक्टिव छइथ । ‘अनुराग इंटरटेनमेंट’ आ ‘रागिनी विश्वकर्मा’ यूट्यूब चैनल पर गाना गा क’ संगीत प्रेमीसबके के मनोरंजन द’ रहल छइथ।
हुनकर पहिल वायरल भोजपुरी गाना ‘पंखा कूलरसे न गर्मी ई जाला’ छल, जे हुनका नबका पहचान देलक। ’मैनियाक’ गाना में रागिनी के आवाज पर बॉलीवुड अभिनेत्री ईशा गुप्ता अपन डांस सं अलग तड़का लगाएली, जेना गाना के लोकप्रियता आओर बढाओल गेल। ई गाना ग्लोबल स्तर पर वायरल भ’ रहल अइछ आ यूट्यूब पर अब तक लगभग ४० मिलियन व्यूज पार क’ चुकल अइछ। संगहि, ई गाना यूट्यूब म्यूजिक सेक्शन में पछिला तीन दिन सं नंबर वन ट्रेडिंग में अइछ ।
रागिनी बतौलक जे ‘मैनियाक’ गाना में भोजपुरी पंक्ति गाबैके मौका हुनका हनी सिंह के टीम सं विनोद वर्मा के माध्यम सं भेटल। ओ वाराणसी में गाना के रिकॉर्डिंग केने छल, मुदा हुनका ई नइँ पता छल जे ई गाना हनी सिंह संगे रिलीज होएत। जब गाना रिलीज भेल त’ हुनकर खुशी के ठेकाना नइँ रहल आ ओ अपन सभ शुभचिंतक आ समर्थक लोकनि के दिल सं धन्यवाद देलीह।
ई गाना के सफलता सं रागिनी विश्वकर्मा भोजपुरी संगीत के नबका ऊँचाई पर ल’ गेलीह आ ग्लोबल स्तर पर अपन खास पहचान बना लेलीह।