
काठमाण्डू, २० फागुनः कम्पनी रजिष्ट्रारके कार्यालय आइसँ लागू करैत कम्पनी प्रशासन व्यवस्थापन सूचना प्रणाली पूर्ण रूपमे कार्यान्वयनमे अनने अइछ ।
उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्रालय आइ एक प्रेस विज्ञप्ति सार्वजनिक करैत उक्त विषयबारे जानकारी कराएल गेल अइ । अइ सङे कम्पनी स्थापना, सञ्चालन तथा प्रशासनसम्बन्धी काज सहज होबाक मन्त्रालयद्वारा प्रकाशित विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । अइ प्रणालीके प्रयोग क भौतिक रूपमे कार्यालयमे उपस्थित नै भेलोपर कम्पनी दर्तासँ खारेजी धैर सम्पूर्ण प्रक्रियासभ सम्पन्न कएल जाएत तथा एहि प्रणालीसँ कार्यालयमे आवेदन देबामे, प्राप्त आवेदनसभ प्रणालीसँ स्वचालित रूपमे सम्बन्धित कर्मचारीके डेस्कमे जेबाक, नाम स्वीकृति आ कम्पनी दर्ताक निवेदनसभ एक तहसँ पूरा करबाक व्यवस्था बनाएल गेल जनौलक अइछ ।
अइ प्रणालीमे नागरिकतालगायत व्यक्तिगत विवरणके लेल राष्ट्रिय परिचयपत्र प्रणाली, करदाताके स्थायी लेखा नम्बर लगायत कार्यके लेल एकीकृत कर प्रणाली तथा लेखापरीक्षकके विवरणके लेल नेपाल चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट्स संस्थाके प्रणालीसङ आबद्ध क कम्पनी सम्बन्धित विवरण प्राप्त करएबाक प्रावधान राखल गेल आ अन्य सरकारी प्रणालीसभसङे आबद्ध क सूचनाके सहज प्राप्ति आ प्रमाणीकरणके प्रबन्ध करैत जेबाक जनौलक अइछ ।
प्रणालीके सदुपयोग क अपन कम्पनी प्रशासनसङे सम्बन्धित काज कारबाही ‘अनलाइन’ प्रणालीमार्फत सम्पादन होबाक लेल एवम् प्रणाली सञ्चालनमे आबैबला समस्या समाधान तथा प्रणाली सुधारके लेल पृष्ठपोषणसेहो प्रदान करबाक लेल सरोकारवाला सम्पूर्ण महानुभावसभमे आग्रह अइछ,” विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ ।