
सिरहा, २१ फागुन । सिरहाक नवराजपुरक रिंकुकुमारी सदाके सामूहिक बलात्कार आ शंकास्पद मृत्यु घटनाके मुख्य आरोपी रुपेश मण्डल पक्राउ परल अइछ ।
गत माघ २७ गते राइत शौच करए घरस’ बाहर निकलल रिंकुके स्थानीय तीनटा युवक सामूहिक बलात्कार कएने छल । बलात्कार घटना माघ २९ आ ३० गते पञ्चायत बइसके गामेमे मिलेबाक प्रयास कएल गेल छल । पञ्चायत बलात्कार आरोपीस’ १ लाख ४० हजार टका जरिवाना आ पीडितके पुलिसमे नइँ देबए निर्णय कएने छल । पञ्चायत नइँ पीडक पक्षके धम्कीके कारण गत माघ ३० गते पीडित किशोरी रिंकु अपने घरमे फाँसी लटकल अवस्थामे भेटल छल ।