मधेश कृषि विश्वविद्यालयक उपकुलपति आ रजिष्ट्रारके पदसँ निलम्बन 


जनकपुर, २१ फागुनः मधेश कृषि विश्वविद्यालयक उपकुलपति डा. वैजनाथ महतो आ रजिष्ट्रार श्रीभगवान ठाकुरके निजक पदसँ निलम्बन करबाक निर्णय भेल अइछ।
विश्वविद्यालयसभा (सिनेट)के बैसारमे उपकुलपति आ रजिष्ट्रारके पदसँ निलम्बन करबाक निर्णय पारित भेल,  मधेश प्रदेशक शिक्षा आ संस्कृति मन्त्री रानी शर्मा तिवारी राससके जानकारी देलैथ।  विश्वविद्यालयक कुलपतिसभ रहनिहार प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंहके उपस्थितिमे जनकपुरधाममे भेल सिनेट बैसारमे बहुमतसँ पारित भेलाक बाद डा. महतो आ ठाकुरके निलम्बन कएल गेल, शिक्षामन्त्री तिवारी जनौलैथ।
प्रदेश सरकारक नीति आ योजना आयोगक उपाध्यक्ष डा. सोहनप्रसाद साहक नेतृत्वमे गठित तीन सदस्यीय समितिके वितल आसिन ७मे बुझाएल गेल प्रतिवेदनक आधारपर दुनूजनाके विश्वविद्यालयक अनाधिकृत गतिविधिमे संलग्न भेटल गेलाक कारण सिनेटद्वारा दुनूके बर्खास्त करबाक निर्णय लेल गेल जनौलक अइछ।  मंगलदिन अबेर राइतधैर चलल बैसारमे विश्वविद्यालयक कुलपति एवम् मुख्यमन्त्री सिंह, सहकुलपति एवम् शिक्षा तथा संस्कृतिमन्त्री तिवारी सहित विश्वविद्यालय सिनेटक पदाधिकारी आ सदस्यसभ भाग लेने छल।  चालू आर्थिक वर्षक नीति आ कार्यक्रम सेहो बैसारद्वारा पारित कएल गेल।
बहुत समयधैर सभा नै भेलाक कारण विश्वविद्यालयमे आर्थिक कारोबार रूकल भेल रहए, जाहि कारण विश्वविद्यालयक पदाधिकारी आ कर्मचारीसभ तलब नै पाएब रहल छल।  सेवा प्रदायकसभ बक्यौता टका नै पेलाक कारण शैक्षिक सामग्री, इंधन, बिजली, पाइन, संचार आदि सेवा अवरुद्ध क देने अइछ, जाहि कारण एतए अध्ययन क रहल कृषि विज्ञानक दूटा सेमेस्टरक एक सओ विद्यार्थीसभक नियमित पढ़ाइ नै भेल अइछ। नियमित पठन-पाठन कराबए आ विद्यमान समस्या समाधान करबाक उद्देश्यसँ एहि बैसारक आयोजन कएल गेल छल। बैसारद्वारा लेल गेल निर्णयसभ कार्यान्वयन भेलाक बाद धीरे-धीरे समस्यासभ समाधान होएत, से मन्त्री शर्माक विश्वास अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको