‘राजागञ्ज’के व्यग्र प्रतिक्षा : सम्वाद आ सिनमे कैंची त नइँ लागत ? (ट्रेलर देखू)


दलान डेस्क

जनकपुरधाम । मधेशक विषयवस्तुमे निर्माण भेल नेपाली फिल्म ‘राजागञ्ज’ देखबाक लेल दर्शकमे कौतुहलता बढैत देखल गेल अइछ ।
ट्रेलर देखलाक बाद फिल्मक विषयवस्तु आ पात्रक सम्वादके कारण दर्शक बीच चर्चाक विषय त बनले अइछ । आखिर कि छै त नेपाली फिल्म राजागञ्जमे ? मधेश आन्दोलनके रापताप, मधेशके यथार्थ पीडा, सशस्त्र आन्दोलनके वेदना, छटपटाहट, बखुलाहट, आक्रोश, कतौ विवेक शुन्यता छै त कतौ जिम्मेवारीताक विषय समावेश कएल गेल अइछ अइ फिल्ममे । मधेशक कलाकारक अत्यधिक सहभागिता, पत्रकारक व्यथा, कतौ नेताक आक्रोश संगे विवादित अभिव्यक्तिवाला सम्वाद सेहो छै । ओना ट्रेलर देखलाक बाद के सही छै या के गलत ? अन्दाज लगेनाइँ मुश्किल छै ।
फिल्ममे मधेशक राजनीतिके रस्साकस्सी आ सिर्जित परिणाक कथा छै । मधेशमे रहैत आएल दूटा पहाडी बच्चाके अपहरण भेल देखाओल गेल छै । साम्प्रदायिकताक विषय सेहो समावेश भेल ट्रेलरस बुझमे आबैत अइछ । तहिना तत्कालिन समयके प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीद्वारा मधेशीके पाकल आम कहल गेल अभिव्यक्तिके प्राथमिकताके साथ उठान कएल गेल अइछ । ए भनेपछि परधानमन्त्रीज्यू पनि अनुसन्धानको घेराभित्र पर्नुभयो त ? अर्थात कहैके मतलब परधानमन्त्री सेहो अनुसन्धानके दायरामे परलै त ?’ जँका सम्वाद सेहो समेटल अइछ ट्रेलरमे । देखैके एहो छै जे ट्रेलरमे रहल सम्वाद कायमे रहत या कैंची लागत ? कियाक त सम्भवतः अइस’ पहिने कोनो प्रधानमन्त्रीपर सिनेमाके मादे एना सिधा सवाल नइँ कएल छल ।

चैत १ गतेस’ प्रदर्शनमा आबए लागल ई फिल्म नेपाली सिनेमा जगतमे बहुत प्रतिक्षित एवम् महत्वके साथ देखल गेल अइछ । दिपक रौनियार माजल निर्देशकमध्येक एक मानल जाइत अइछ । अइस’ पहिने ओ ’हाइवे’, ’सेतो सूर्य’ जँका फिल्म सब बनाकए वैश्विक स्तरमे नाम कमाचकुल छइथ ।
’राजागञ्ज’के नेपालमा ’टिफल्क’ आ ’ब्यांकटेश इन्टरटेनमेन्ट’ संयुक्त रूपमे वितरण करत । भेनिस, बुसान र मुम्बई सहितके अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सवमे ‘पूजा सर’ नामस’ सहभागी कराओल गेल छल । अइ फिल्मके ट्रेलर देखलापर वास्तविक घटनामे आधारित रहल स्पष्ट बुझाइत अइछ ।
राजागञ्ज’के अमेरिकाक प्रतिष्ठित हार्वर्ड युनिभर्सिटीमे अप्रिल ७ मे हार्वर्डके साउथ एसिया इन्स्टिच्युट स्क्रिनिङ करए लागल अइछ । ई फिल्म नर्वेके ’सोरफन्ड’ सँ ७६ लाख स बेसी बढी टका जितएमे सेहो सफल भेल अइछ । फिल्म निर्माणमे रामबाबु गुरुङ आ दयाहाङ राई संलग्न अइछ । दोसर महत्वपूर्ण गप जे बलिउडके चर्चित निर्माता एवम् निर्देशक अनुराग कश्यप सेहो निर्माणक हिस्सा बनल अइछ ।
दयाहाङ राई, आशा मङ्गराती, ऋचा शर्मा, पशुपति राई, विजय बराल, गौमाया गुरुङ, निकिता चन्डक, निरज श्रेष्ठ, घनश्याम मिश्रा, आरती मण्डल, पुष्पा यादव, परमेश झा सहितके माजल कलाकार सबहक अभिनय रहल अइछ । फिल्मक निर्माण आदि फिल्म्सके लेल रौनियार आ  मगराती, बाँसुरी फिल्म्सके लेल रामबाबु गुरुङ आ तन्हाउसर गेटके लेल एलन आर मिलिगन कएने अइछ ।
समग्रमे, ’राजागञ्ज’के एक थ्रिलर नेपाली फिल्म कहल जा सकैय । जइमे सस्पेन्स आ  रहस्यको कथा प्रस्तुत कएल देखबामे आएत । एकटा आओर खुशी आ गर्व करएके बात जे राजागञ्ज’ फिल्ममे जनकपुरधामक जानल पहचानल चेहरासँगे नव कलाकारके रुपमे उत्कृष्ट  भूमिकामे प्रस्तुत कएल गेल अइछ । आशा करी जे सत्यतथ्य आ वास्तविक विषयवस्तुमे ई फिल्म माइलस्टोन साबित होय से आश क सकैत छी । आओर विशेष रहस्य बुझएके लेल सबगोटाके  फिल्म देखैये परत ।

ट्रेलर देखू

ताजा खबर
धेरै पढिएको