
चन्द्रपुर (रौतहट), २३ फागुन: मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह अवैध रूपसँ संचालन भ रहल निजी अस्पतालसभके तुरत बन्द करबाक निर्देशन देने अइछ।
मुख्यमन्त्री सिंह वृहस्पैतदिन रौतहट जिलाके गरुडा बजारमे अवस्थित १० टा अस्पतालसभक अनुगमन करैत सबटा अस्पतालमे आवश्यक कागजात नै भेटलाक कारण तत्काले बन्द करबाक आदेश देलैन। ओ कहलैन “गरुडामे चइल रहल सबटा अस्पताल मापदण्ड विपरीत सञ्चालन भ रहल अइछ।” मुख्यमन्त्री सिंहक नेतृत्वमे अनुगमन टीम गरुडा–५, शिवनगरमे अवस्थित आनन्द अस्पताल तथा अकुपञ्चर सेन्टर प्रालि, गरुडा सिटी अस्पताल प्रालि, अनामिका अस्पताल प्रालि, नेत्र ज्योति आइ अस्पताल, गौर आँख अस्पताल, गरुडा अस्पताल, रोम अस्पताल प्रालि, होप अस्पताल प्रालि, सनसिटी अस्पताल आ सरस्वती अस्पताल प्रालिक निरीक्षण केलक। अनुगमन समितिक सदस्य सचिव तथा जनस्वास्थ्य अधिकृत सन्तोष ठाकुर जनौलैन जे निरीक्षण कएल अस्पतालसभ अवैध रूपसँ संचालन भ रहल अइछ।
शिवनगरमे स्थित आनन्द अस्पताल तथा अकुपञ्चर सेन्टर प्रालि गरुडा नगरपालिकासँ २५ शय्याक अनुमति लेलाक बादो ५० शय्या संचालन क रहल छल। जे कि नगरपालिकासँ अधिकतम १५ शय्याक अनुमति देल जाइ छै। बितल शैनदिन सेहो मुख्यमन्त्री सिंहक टीम चन्द्रनिगाहपुरमे ११ टा अस्पतालसभक निरीक्षण कएने छल, जत १० टा अस्पताल अनुमति बिना संचालन भ रहल छल।