जनकपुरधामक प्रदर्शनीक अवलोकन कएलौं कि नइँ ?


जनकपुरधाम। मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाममे फागुन २० गते शुरु भेल पाँच दिवसीय मधेश प्रदेश प्रादेशिक ललितकला प्रदर्शनीक आब एक दिन मात्र बाँकी अइछ । अहाँ सब अवलोकन कएलौं कि नइँ ? जँ नइँ केने छी त छुइट जायब आ पछताय सेहो परत ।

मैथिली विकास कोष भवन, जनकपुरधाममे जारी ई प्रदर्शनी नेपाल ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठान आओर मैथिली विकास कोषक आयोजनमे सम्पन्न भ रहल अइछ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका आओर नेपाल टुरिज्म बोर्डक सहकार्य रहल जनाओल गेल अइछ । प्रदर्शनीमे मधेश प्रदेशक विभिन्न जिलासँ आयल कलाकारक उत्कृष्ट कलाकृति प्रदर्शित कएल गेल अइछ । मिथिला चित्रकलाक प्रसिद्ध कलाकार लोकनि सेहो उपस्थिति रहल अइछ ।। प्रदर्शनीमे चित्रकला, मूर्तिकला आओर अन्य दृश्यात्मक कलाक माध्यम सँ स्थानीय संस्कृतिक झलक देखबाक अवसर भेटत।
नेपाल टुरिज्म बोर्डक सहयोगमे आयोजित एहि कार्यक्रमस’ स्थानीय पर्यटन प्रोत्साहित होयबाक विश्वास कएल गेल अइछ । ई प्रदर्शनी अपनेक लेल महत्वपूर्ण सकैत अइछ ।
देखू तस्विरः

ताजा खबर
धेरै पढिएको