
कीर्तिपुर (काठमाण्डू), २३ फागुन: सभामुख देवराज घिमिरे स्पष्ट रूपसँ कहलैन जे प्रतिनिधिसभाद्वारा प्रेस स्वतन्त्रता कुण्ठित करएबला कोनो कानून नै बनत।
राजधानीमे इकोनोमिक मिडिया एशोसिएशन नेपाल (इमान)के दोसर वार्षिकोत्सव एवम् साधारण सभाकेँ सम्बोधित करैत सभामुख घिमिरे कहलैन ” संविधानद्वारा प्रदत्त प्रेस आ अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताक विरुद्ध कोनो निर्णय लेब उचित नै अइछ।” “संसदमे विचाराधीन विधेयकसँ सम्बन्धित अहाँसभक जिज्ञाषाकेँ हम बुझैत छी। प्रेस स्वतन्त्रतापर कोनो प्रतिबन्ध नै लगाओल जाएत आ भविष्यमे सेहो एहन किछु नै हएत ,” सभामुख घिमिरे कहलैन। ओ आगाँ कहलैन जे कोनो कानून पत्रकारिताक स्वतन्त्रताकेँ प्रभावित करबाक, सूचनापर पहुँच रोकबाक आ पारदर्शिता कमजोर करबाक काज नै करबाक चाही। सभामुख घिमिरे कहलैन जे देश संक्रमणकालीन अर्थतन्त्रक अवस्थासँ आगाँ बइढ़ रहल अइछ आ उद्योग, पूर्वाधार विकाश, वित्तीय स्थायित्व तथा लगानी अनुकूल वातावरण निर्माणक दिशामे सरकार, निजी क्षेत्र, वित्तीय संस्था आ सञ्चार क्षेत्रक बीच सुदृढ़ सहकार्य आवश्यक अइछ।
ओ चिन्ता व्यक्त करैत कहलैन जे तथ्यपर आधारित समाचारक लेल आवश्यक तथ्याङ्क उपलब्ध करबाक प्रवृत्ति विकसित नै भेल अइछ। ओइ सङे विज्ञापन आ आर्थिक लाभके कारण किछ समय समाचार संकलन प्रभावित होइ छै, जाहिपर धीयान देबाक आवश्यकता अइछ। ओ आगाँ कहलैन जे आर्थिक पत्रकारिता केवल समाचार प्रसारण नै, बल्कि नीति निर्माण आ सतत विकाशकेँ दिशा देखाबैबला महत्त्वपूर्ण माध्यम अइछ।