सामाजिक सञ्जाल विधेयक अराजकता कम करत: नेता ढकाल   


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, २४ फागुनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क स्थायी कमिटी सदस्य एवम् जनवर्गीय सङ्गठन समन्वय संयन्त्र प्रमुख भनुभक्त ढकाल सामाजिक सञ्जाल विधेयक मिडिया क्षेत्रके नियन्त्रण करबाक लेल नै अराजकता कम करबाक लेल आनल गेल बताैलैन अइछ ।

प्रेस चौतारी नेपाल उपत्यका प्रदेश कमिटीके दोसर अधिवेशनके उद्घाटन समारोमे ओ विधेयकमे भेल कमजोरी सुधारबाक लेल हम अपने सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । ओ कहलैन, “मजबुत सरकार भेल समय सुधारू आ कार्यान्वयनमे आनू, एखन नै भेल तँ बादमे नै कएल हएत ।”

एमाले प्रचार तथा प्रकाशन विभाग प्रमुख राजेन्द्र गौतम लोकतन्त्रक लेल स्वतन्त्र मिडिया आवश्यक रहल बताैलैन । ओ तहिना सामाजिक सञ्जाल विधेयक लोकतन्त्रके पक्षमे आ मिडियाके पक्षमे होबाक बताैलैन ।

प्रेस चौतारी नेपालक अध्यक्ष गणेश बस्नेत, एमाले बागमती प्रदेशक उपसचिव भक्त कुमारी लामा, प्रेस चौतारीक नेता विश्वमणि सुवेदी, प्रेस युनियनक उपाध्यक्ष जीवन भण्डारी, प्रेस सेन्टरके नेता विक्रमरत्न श्रेष्ठ लगायत प्रेस स्वतन्त्रताके पक्षमे एकताबद्ध होएबामे जोड़ देलैन ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको