प्रधानमन्त्री कप पुरुष क्रिकेट प्रतियोगिता : मधेश प्रदेशक टिम घोषणा


वीरगञ्ज (पर्सा), २५ फागुनः प्रधानमन्त्री कप पुरुष क्रिकेट प्रतियोगिताके मधेश प्रदेशसँ सहभागी होएबला खेलाड़ीसभहक नाम सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
मधेश प्रदेश खेलाड़ी छनाैट समिति शैनदिन अनिल कुमार साहके कप्तानीमे १५ सदस्यीय टीम छनाैट केलक अइछ । मधेश प्रदेशक टिममे बाराके पवन सर्राफ, कमल गुप्ता, निखिल सिंह, रञ्जित कुमार, राजेश यादव, विशाल पटेल, रोशन विक, प्रदीप पासवान, रुपेश सिंह, दिपेश दास, हरिशङ्कर साह, शैलेन्द्र साह आ सन्नी साह छैथ । मधेश प्रदेशक टिमके प्रशिक्षकमे सुनिल साह अइछ। सहप्रशिक्षकमे शुभ टण्डुकार आ म्यानेजरमे दीपेन्द्र यादव रहल अइछ।
छनाैट समितिक संयोजक विकाश दलीके नेतृत्वमे १५ सदस्यीय टोलीके छनाैट केलक अइछ । मधेशक आठ जिलाके टिमसँ प्रतिस्पर्धा कएने उत्कृष्ट खेलाड़ीकेँ छनाैट क मधेश प्रदेशक टिम बनाएल गेल अइछ । मधेश प्रदेशक टिम रैवदिन भोरे रुपन्देही प्रस्थान क चुकल अइछ । लुम्बिनी प्रदेश क्रिकेट सङ्घके व्यवस्थापनमे भ रहल प्रतियोगितामे १० टिम सहभागी हएत।

ताजा खबर
धेरै पढिएको