
काठमाण्डू, २५ फागुनः उपप्रधानमन्त्री एवम् अर्थमन्त्री विष्णुप्रसाद पौडेल अगिला आर्थिक वर्षके बजेटमे टका तीन करोड़सँ कम लागतके आयोजना तथा कार्यक्रम प्रस्ताव करए नै करबाक चाही बताैलैन अइछ ।
अगिला आर्थिक वर्षके बजेट निर्माण सम्बन्धमे खानेपानी मन्त्रालय आ सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालके पदाधिकारीसङे आइ अलगेअलग भेल बातचितके ओ असङ्ख्य योजना तथा कार्यक्रम बजेटमे राखैबला प्रवृत्तिसँ बाहर अएबाक आग्रह करैत पूर्वतैयारी भ गेल पैघ रुपान्तरणकारी एवम् राष्ट्रीय प्राथमिकता प्राप्त आयोजना तथा कार्यक्रम मात्रे प्रस्ताव करबाक लेल जोड़ देलैन । अर्थमन्त्री पौडेल प्रदेश आ स्थानीय तह करएबला कार्यक्रममे हुनकासभके भूमिका बढ़ेबाक लेल आ प्रदेश आ स्थानीय तहके कार्यक्षेत्रभित्रके आयोजना तथा कार्यक्रम हस्तान्तरण करबाक बताैलैन ।
बैसारमे खानेपानीमन्त्री प्रदीप यादव, सङ्घीय मामिलामन्त्री राजकुमार गुप्ता, राष्ट्रीय योजना आयोगक उपाध्यक्ष शिवराज अधिकारी, अर्थ सचिव, राजस्व सचिव, खानेपानी सचिव, सङ्घीय मामिला सचिवगायत सहभागी छलैथ ।