
जनकपुरधाम । दलित एवम् पाछु परल समुदायके जीवनस्तरमे परिवर्तन हेतु मधेश प्रदेशसभा सदस्य रामअशिष यादव इजोत अभियानके निरन्तरता द रहल अइछ ।
दलित समुदायके बालबालिकाके शैक्षिक गुणस्तर अभिवृद्धि करबाक लेल इजोत निःशुल्क ट्युसन सेन्टर सञ्चालन करैत आइब रहल अइछ । ओ निर्वाचन क्षेत्रमे रहल दलित बस्तीमे ट्युसन सेन्टर आ विद्यालय सबमे हेल्दी इस्कूल कार्यक्रम सञ्चालन करैत आइब रहल छइथ । किछ महिनास’ जनकपुरधाम स्थित रेल्वे स्टेशन सीता चौकके बगलमे रहल मेहतर बस्तीमे सेहो कक्षा सञ्चालनमे रहल अइछ ।
अत्यन्त जर्जर आर्थिक अवस्थाक सामना करैत आइब रहल बस्तीके अधिकांश बच्चासब इस्कूल नइँ जा रहल आ इस्कूल जायवाला बच्चासब सेहो पढाइमे कमजोर रहल जानकारी पाइब प्रदेशसभा सदस्य यादव अइ अभियानके आगाँ बढौने अइछ । जुग्गी झोपडीमे जेनतेना जीवन निर्वाह करैत आइब रहल मेहतर बस्तीमे सञ्चालन भेल ट्युशन कक्षामे ५० टा विद्यार्थी अध्ययनरत अइछ । बाँस, पन्नीस‘ बनाओल गेल अस्थायी जुग्गीमे पढेबाक लेल ओ स्वयम्सेवक परिचालन केने छइथ ।
शुरुमे ओ बस्तीमे जा कए अभिभावक सबके शिक्षाके महत्वके विषयमे जानकारी देने छल । एखन मेहतर बस्तीके विद्यार्थीसबके लेल आकर्षण बनल अइछ । प्रदेश सभा सदस्य पहिने शिक्षक रहलाक कारणे बीचबीचमे जा कए अपनो नैतिक आचरण, संस्कार, सरसफाइ एवम् शिक्षाके महत्वके विषयमे पढबैत छइथ । विद्यार्थीसब हुनका सांसद स बेसी हेड सर कहिकए चिन्हैत छथि । बिना जानकारी कोनो समय कक्षा अनुगमन करए जाइत छइथ । कहियो हाथमे कापी कलम ल कए त कहियो हलुवा ल कए जाइत छइथ ।
मेहतर बस्तीके ट्युसन कक्षामे मधेश प्रदेशसभा सदस्य मा. रामअशिष यादव ।
साहित्यकार एवम् पत्रकार श्यामसुन्दर यादव, मिडिया काउन्सिलक सदस्य अर्जुन कुमार मण्डलसहितके टोली टियुसन कक्षा देखबाक लेल पहुँचल छल । पैढके अहाँ सब कि बनए चाहै छी ? प्रश्नमे बच्चा सबके क्रमशः जवाब छल, डाक्टर, इन्जियर,ओकिल, हाकिम आ मास्टर । नइँ पढबै त कि हेतै ? जिज्ञासमा टिसनीयाँ बच्चासब बाजल ‘पढबै, नइँ पढबै त सुग्गर चरबे परतै, लेटरिन साफ करए परतै, तै खातिर हम सब भुखलो इस्कूल चइल जाइ छियै ।’
ट्युसन कक्षाके बच्चा सबहक पढाइप्रतिके सङ्कल्प देखकए उपस्थित आगन्तुक छक्क पइर गेल । अइ बीच मनिसा, शिवानी आ सन्ध्या मेहतर सांसद यादवस’ उत्सुकतापूर्वक जिज्ञासा राखलक ‘हेडसर, जाँचैबला डाक्टर कहिया एतै ? सुइयो लगेतै ?’ हँसैत हुनक जवाफ छल ‘परसू ऐतै, नइँ सुइया नइँ देतै, जाँच भेलाक बाद दबाइ देतै ।’
ट्युसन कक्षामे सहभागी धीयापुता सबके जाँच करैत चिकित्सक ।
ट्युसन सेन्टर मे अध्ययनरत धीयापुता आ सफाईकर्मी मेस्तर समुदायके अभिभावक सभके प्रत्येक तीन महिनामे निःशुल्क स्वास्थ्य परीक्षण आ अभिभावक शिक्षक बैठक सेहो होइत आयल अइछ। बस्तीके अभिभावक सबके कोनो बुझएके होय, या कोना काममे समस्या अबै छै त प्रदेशसभा सदस्य यादव सहयोग एवम् सहजिकरण सेहो क’ दैत अइछ । हुनक कहब अनुसार कोनो जाइत वा समुदाय पाछाँ परल छै त ओकर मूल कारण छै शिक्षा, मधेशके डोम, मेहतर, मुसहर सहित दलित समुदायके १८ प्रतिशत बच्चा शिक्षास’ वञ्चित छै, तै बच्चासबके प्रोत्साहन करै खातिर ट्युसन कक्षा सञ्चालन केने छी । एकरा अन्य वस्तीसबमे सेहो विस्तार कएल जेबाक हुनक प्रतिवद्धता अइछ ।
धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं. २ (ख) स’ दोसरबेर निर्वाचित ओ सेभ द हिस्टोरिकल जनकपुरधामक संस्थापक अध्यक्ष, स्वच्छ जनकपुरधाम, महागङ्गा आरती, पर्यावरण संरक्षण, शैक्षिक जागरण, दलित सशक्तिकरण सहितके क्षेत्रमे सक्रिय छइथ । प्रदेश सांसद यादव राजनीतिमे आबएस’ पहिने नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाके अध्यक्ष सेहो भेल छल । तस्विर : अर्जुन कुमार मण्डल
मेहतर धीयापुता सबके नैतिक आचरणके बात पढबैत मधेश प्रदेश सभा सदस्य मा. रामअशिष यादव ।