
काठमाण्डू, २६ फागुन: डिजिटल माध्यमसँ प्रकाशन आ प्रसारण करएवला संचारमाध्यमक प्रतिनिधिसभेँ ‘डिजिटल मिडिया अलायन्स’ (डिम्यानम) गठन केलक अइछ।
गौतम बुद्धक जन्मस्थल लुम्बिनीसँ औपचारिक रूपसँ डिम्यानमके घोषणा कएल गेल अइछ। किछु दिन पहिने दर्ता भेल एहि अलायन्समे अध्यक्ष मोहराज पौडेलक नेतृत्वमे नौँ सदस्यीय कार्यसमिति गठन कएल गेल छल। अलायन्स आधुनिक प्रविधिक उच्चतम उपयोगसँ सूचना आ समाचार प्रकाशनकेँ प्रभावकारी बनेबाक दिशामे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करएवला अइछ, अध्यक्ष पौडेल कहलैन।
अलायन्सक महासचिव युवराज कँडेल कहलैन जे संगठन डिजिटल मिडियाके हक, हित आ निष्पक्षताक वकालत करएबला अइछ। सङे डिजिटल पत्रकारसभक क्षमता आ गुणस्तर अभिवृद्धि करब, डिजिटल मिडियाक संरक्षण आ संवर्द्धन करब सेहो अलायन्सक मुख्य उद्देश्य अइछ। संस्थाक नेतृत्व सुनौलो नेपालक मोहराज पौडेल क रहल छैथ, उपाध्यक्षद्वय नेपाल वान एचडीक मोनिका सिंह आ हुलाक सञ्चारक महेश पौडेल छैथ। महासचिवक जिमेवारी सिधाकुरा मिडिया नेटवर्कक युवराज कँडेल, सचिव राइट सञ्चारक अर्जुन विस्ट आ कोषाध्यक्ष लालीगुँरासक कमल चौलागाईंकेँ देल गेल अइछ। सदस्यसभमे आर्टिस्ट खबरके गोपीकृष्ण चापागाईं, असँ नेपालक नरेन्द्र महरा आ सल्लाहकारक रूपमे सिटिजन एचडीक विजन दुवाडी छैथ।