पत्रकार आरती कएलक ‘राजागंज’मे इन्ट्री: अभिनयके प्रशंसा


जनकपुरधाम । किछ महिना पहिनेधैर मिडिया क्षेत्रमे चर्चित आरती मण्डल सिनेमाक कलाकारक रुपमे स्थापित भ रहल छइथ ।
चैत १ गतेस’ प्रदर्शन होबए जा रहल नेपाली सिनेमा ‘राजागंज’मे जीवन्त भूमिकाके कारण ओ चर्चामे आइब रहल छइथ । ओना सिनेमाक प्रिमियर शो देशक प्रमुख सहर सबमे चैलिये रहल अइछ । ओना सब कलाकारके भूमिका बेजोड अइछिये ‘यद्यपी सरस्वती पात्र अर्थात आरतीके अत्यधिक पसन्द कएल जा रहल अइछ ।
करिब एक दशक पहिने भेल घटनाक्रम अर्थात मधेश आन्दोलन, सशस्त्र सङ्गठनके गतिविधि, त्रासदीपूर्ण अवस्था, मधेशप्रति राज्य एवम् तत्कालिन सरकारके संकिर्ण सोच सहितके विषय आ उत्पन्न भेल समस्याके अइ सिनेमामे देखाएल गेल अइछ । जइमे आरती परिस्थितिवश अपहरणकारी बनल अवस्था, मातृत्व प्रेम एवम् न्यायके लेल वेदनापूर्ण छटपटाहट भ रहल पात्र सरस्वतीके भूमिका किछ समयके लेल भावुक बना दैत अइछ ।

जनकपुरधामक एफ.एम.मे समाचारवाचक, कार्यक्रम प्रस्तोता तथा रेडियो नाटक एवम् विज्ञापनमे आवाज दैत आइब रहल छल । ओ किछ महिनास’ मिडियास’ हराएल जँका छल । अइ क्रममे हुनका नेपाली सिनेमा ‘राजागंज’मे भुमिकाके लेल कहल गेल । ओ सशंकित छल जे प्रसिद्ध निर्माता एवम् निर्देशक दिपक रौनियारके सिनेमामे अभिनय कइर पायब या नइँ । यद्यपी शंका उपशंकाके बीच ओ अभिनयके लेल चयन भेल जानकारी पाइब हुनका खुशीके सिमा नइँ रहल ।


मिडिया क्षेत्रके १० सालके अनुभव त आरतीके रहबे करै । यद्यपी पात्र अनुसारक अभिनय कइनाइँ मुश्किल छल । संयमताके साथ अभ्यास कइरके ओ अपनाके एक अनुभवी कलाकार जँका भूमिका निर्वहन करएमे सफलता प्राप्त कएलक । आम दर्शक बीच सिनेमा जायमे बस किछ दिन मात्र बाँकी अइछ । तथापि ‘प्रिमियर शो’ देखनिहार विशिष्ट व्यक्तिसब सरस्वती पात्रक भूमिकाके प्रशंसा क रहल छइथ ।
अभिनयके लेल हुनका फोन एवं सामाजिक सञ्जाल मार्फत शुभकामना एवम् प्रशंसा व्यक्त कएल जा रहल अइछ । ओ ‘दलान न्यूज’संगे खुशी व्यक्त करैत बाजल ‘हम त सोचनौ न रहियै जे कोनो फिल्ममे हमरा रोल करैके मौका भेटत, हम बहुत खुश छी, ‘राजागंज’ टिमके बहुत बहुत धन्यवाद् देबए चाहब, दर्शक सबस’ अनुरोध करब जे अपन लगपासके सिनेमा हलमे जा’ कए सब परिवार अवश्य देख दियौ ।’ हुनक कहब अनुसार ई सिनेमा किर्तिमान कायम करत आ कलाकार सबके सेहो स्थापित हेबाक अवसर प्राप्त हयात ।
अइ सिनेमामे दयाहाङ राई, आशा मङ्गराती, ऋचा शर्मा, पशुपति राई, विजय बराल, गौमाया गुरुङ, निकिता चन्डक, निरज श्रेष्ठ, घनश्याम मिश्रा, आरती मण्डल, पुष्पा यादव, परमेश झा, मदन ठाकुर सहितके कलाकार सब अभिनय कएने छइथ । ओना कहल जाय नेपाली सिनेमाके इतिहासमे ‘राजागंज’ सिनेमा हयात जइमे अत्यधिक संख्यामे जनकपुर क्षेत्रक कलाकार, मधेशक कथावस्तु, मधेशेमे छायाङ्कन आ बहुत सम्वाद सेहो मैथिली आ हिन्दीमे सेहो प्रयोग कएल गेल अइछ । मधेशक पात्रके भूमिकामे बनावटी रंगटिपके प्रयोगके निःशेध करैत पात्र अनुसारके कलाकारके खोजी कइरके अभिनय कराओल गेल निर्माण एवम् निर्देशन पक्षके दिसस’ सेहो उदाहरणीय प्रयास कहल जा सकैत अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको