
जनकपुरधाम । नेपालक मधेश प्रदेश धनुषा जिला स्थित जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकामे परैत अइछ जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशन । देशेक एकटा महत्वपूर्ण मानल गेल अइ स्टेशनके रेल्वे सेवाक इतिहासमे गौरव कएल जाइत अइछ । ई स्टेशन जनकपुर–जयनगर रेलमार्गक हिस्सा छी, जे नेपाल आ भारतक बीच ऐतिहासिक रेल सम्पर्कके रूपमे रहल अइछ ।
मूल रूपसँ १९३७ मे ई रेलमार्ग ब्रिटिश शासनक दौरान लकड़ी ढोबाक लेल बनायल गेल छल, मुदा बादमे आम यात्री सेवा लेल खोलल गेल । २०१४ तक ई न्यारो गेज रेलमार्ग छल, मुदा ओही साल एकरा बृहत गेजमे परिवर्तन करबाक प्रक्रिया शुरू भेल । नव निर्माणक बाद ०३ अप्रैल २०२२ सँ पटरी पर रेल दौडैत अइछ । ई स्टेशन प्रमुख छियै । मधेश प्रदेश राजधानी जनकपुरधामस’ भारत सहित अन्य स्थानमे जेबाक लेल टिकट काइटके भारतके जनयनगर धैर जा सकै छी ।
एखन इ रेलवे स्टेशन आधुनिक सुसज्जित बनैत जा रहल अइछ । बहुतरास’ पूर्वाधारके काज सेहो आगू बढल अइछ । नेपालमे रेल यातायातक विस्तार लेल महत्वपूर्ण योगदान द रहल अइछ । वर्तमानमे मुख्य स्टेशन जनकपुरधामक अतिरिक्त इनरवा, खजुरी, वैदेही, जनकपुरधाम, परवाहा आ कुर्थामे सेहो स्टेशन अइछ ।
नेपाल रेल्वे कम्पनी लिमिटेडक महाप्रबन्धक निरन्जन कुमार झाक अनुसार आगाँ बिजलपुरा, महिनाथपुर, रजौरा आ बर्दीबासधैर विस्तार करबाक तैयारी रहल अइछ । इ रेल सेवा खास कइरके नेपाल आ भारतक यात्रीसबके लेल सुविधाजनक यात्रा प्रदान करैत आइब रहल अइछ । प्रस्तुत अइछ जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशनके किछ तस्विर । देखू तस्विर:
Photo: Janakpur-Jaynagar Railway/Wikkipedia
तस्विरः पथिक/जनकपुरधाम