
महोत्तरी, २७ फागुन: मधेशमे कृषि आ पशुपालन क्षेत्रकेँ प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ ९१ करोड़़ टकाके लागतमे ३५ टा आधुनिक एकीकृत सेवा केन्द्र भवन निर्माण कएल जाएत। बर्दिवास स्थित आर्थिक करिडोर आयोजना कार्यालयद्वारा मधेशक ३५ ठाम आधुनिक सुविधासभसँ युक्त कृषि आ पशुपालन सेवाकेँ केन्द्र स्थापित करबाक योजना अइछ।
एहि सेवा केन्द्रसभसँ माइट परीक्षण, जैविक खेतीक प्रयोगशाला, पशुसभक गोबर जाँच, इलाज आ पशुपालक किसानसभकेँ प्राविधिक परामर्श प्रदान कएल जाएत। आर्थिक करिडोर आयोजना कार्यालय, बर्दिवासक प्रमुख राजेश साह जनौलैन जे १० टा सेवा केन्द्र निर्माण पूरा भ स्थानीय तहकेँ हस्तान्तरित कएल गेल अइछ। हस्तान्तरित केन्द्रसभ महोत्तरीक सम्सी, सर्लाहीक कौडेना, धनुषाक मिथिला आ कमला, सिरहाक भगवानपुर, रौतहटक राजापुर, सप्तरीक बलान बिहुल, बाराक फेटा आ पर्साक जगन्नाथपुर सहित १० गोटे स्थानसभमे बनल अइछ।
विश्व बैंकक सहयोगसँ संचालित एहि आयोजनाक कार्यक्रम पूर्व-पश्चिम राजमार्ग आ हुलाकी मार्गसँ जुड़ल ८४ टा स्थानीय तहसभकेँ समेटने अइछ। दोसर चरणमे निर्माणाधीन भवनसभक ६५ प्रतिशत आ तेसर चरणमे ४५ प्रतिशत भौतिक प्रगति भ चुकल अइछ। अन्तिम चरणमे निर्माणाधीन भवनसभ ६५ प्रतिशत पूरा भ रहल अइछ, आयोजनाक सूचना अधिकारी सन्तोष प्रकाश जनौलैन ।
सम्सी-६ क इम्तियाज अहमद कहलैन जे सेवा केन्द्रसभक निर्माणसँ किसानसभकेँ बहुत लाभ भेट रहल अइछ। सम्सी गाउँपालिकाक अध्यक्ष रामनाथ यादव सेहो कहलैन जे एकीकृत सेवा केन्द्रसभ बनलासँ स्थानीय तहद्वारा देल जाएबला कृषि सेवा बेसी प्रभावकारी आ सहज बइन गेल अइछ। आयोजना कार्यालयक अनुसार, मधेशक आठोटा जिलामे १७९ टा किसान समूहसभमे आबद्ध ५,०००सँ बेसी किसानसभकेँ लाभ देबाक लेल दू अरब टकाके अनुदानक प्रक्रिया सेहो अगाड़ी बढ़ाओल गेल अइछ। किसान समूहसभद्वारा प्रस्तुत प्रस्तावसभक आधारपर अनुदानक लेल चयन कएल गेल अइछ।