‘पत्रकारिता क्षेत्रके संस्थागत विकासके लेल प्रदेश सरकार प्रतिवद्ध’


महोत्तरी, २७ फागुन : मधेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह पत्रकार आ पत्रकारिता क्षेत्रके विकाशमे प्रदेश सरकार प्रतिवद्ध रहल बताैलैन अइछ ।
बर्दिबासमे आइ सञ्चारिका समूह नेपाल मधेश प्रदेशक दोसर अधिवेशनके उद्घाटन करैत ओ प्रदेश सरकार अपन सीमित साधन स्रोतभित्रसँ पत्रकारिता क्षेत्रके प्रवर्धनके लेल प्रयत्न क रहल उल्लेख कएलैन । मुख्यमन्त्री सिंह कहलैथ “पत्रकार समाजक ऐना छी, हिनकाद्वारा प्रेषित सत्यतथ्य सूचना राज्यके सब निकायकेँ अपन काजबारे समीक्षा आ सुधार करबाक अवसर प्राप्त होइ छै,” ओ कहलैन, “तहिना पत्रकारितामे लागल सबपक्षके सहयोग आ सद्भाव आवश्यक अइछ ।” जाहिमे बहुते कम सङ्ख्यामे देखल गेल महिला पत्रकारकेँ पेसामे सक्रिय राखए लेल राज्यके निकाय आ सामाजिक सङ्घसंस्थाके सकारात्मक भूमिका होबाक चाही हुनकर कहब छैन ।
स्वास्थ्य, शिक्षा आ रोजगारके अन्य अवसरमे महिलाके पहुँच बढ़ेबाक लेल प्रदेश सरकार प्रयत्नशील रहल कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री सिंह बताैलैन । पत्रकार राजनीतिक आग्रहसँ मुक्त भ निष्पक्ष रुपमे पेसागत धर्म निर्वाह करए पड़बाक बताैलैन। कार्यक्रममे सञ्चारिका समूह मधेश प्रदेशक अध्यक्ष सुनिता बराल, जिला समन्वय समितिका प्रमुख सुमन कुमार लाल कर्ण, नेपाल पत्रकार महासङ्घके केन्द्रीय लेखा संयोजक केसी लामिछाने, महासङ्घके प्रदेश अध्यक्ष श्याम वञ्जारालगायत अपन–अपन धारणा व्यक्त कएने छलैथ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको