सेन्सरमे अटकल ‘राजागञ्ज’: ‘सिन हटाबू या अनुमतिपत्र ल कए आबू’


जनकपुरधाम । प्रदर्शनके तैयारीमे रहल बहुप्रतिक्षित नेपाली सिनेमा ‘राजागञ्ज’के किछ दृष्य (सिन) हटेलापर मात्र सेन्सर पास होयबाक कहल गेल अइछ ।
चलचित्र केन्द्रीय जाँच पास समिति (सेन्सर बोर्ड) सिनेमापर टिप्पणी करैत बुँदागत रूपमे किछ सिन हटाबए निर्माण पक्षके सुझाव देलक अइछ । दोसरबेर सेन्सरके लेल निर्माता आ निर्देशक सेन्सर कराबए गेलोपर सचियाबए कहल गेल सिन जहिनाके तहिना रहल कहैत पास नइँ भेल जनाओल गेल अइछ ।
‘कुहिएको आँप’ अर्थात ‘सडल आम’ शब्द प्रयोग भेल अइछ । अर्थात मधेश आन्दोलनके समयमे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली एहेन शब्द सार्वजनिक कार्यक्रममे बाजल छल । तकर लगत्ते ‘ए भनेपछि परधानमन्त्रीज्यू पनि अनुसन्धानको घेराभित्र पर्नुभयो त ?’ अर्थात कहैके मतलब परधानमन्त्री सेहो अनुसन्धानके दायरामे परलै त ?’ जँका सम्वाद सेहो समेटल अइछ ।
समितिद्वारा कहल गेल सिन हटेलापर मात्र ‘राजागञ्ज’के प्रदर्शनके लेल सेन्सर पास कएल जाएत से अडानमे रहलाक कारण निर्माण पक्षके माथा दुखाइ बइन गेल अइछ । दोसर विकल्पके सिन यथावत राखएके लेल प्रधानमन्त्री  कार्यालयस’ अनुमतिपत्र ल कए आबए कहल गेल अइछ ।
चैत १ गतेस’ देशेभैर एकसाथ प्रदर्शनके तैयारीमे रहल अइ सिनेमाके जाधैर सेन्सर पासके प्रमाणपत्र नइँ देत ताधैर प्रदर्शनमे नइँ आइब सकैय । जबकी सिनेमा हलसब ‘राजागञ्ज’के लेल अग्रिम टिकट बिक्री सेहो शुरु कइर चुकल अइछ । दीपक रौनियारद्वारा निर्देशित ‘राजागंज’मे करिब एक दशक पहिने मधेशमे भेल घटनाक्रम अर्थात मधेश आन्दोलन, सशस्त्र सङ्गठनके गतिविधि, अपहरण, त्रासदीपूर्ण अवस्था, मधेशप्रति राज्य एवम् तत्कालिन सरकारके दृष्टिकोण सहितके विषय आ उत्पन्न भेल समस्याके अइ सिनेमामे देखेबाक प्रयास कएल गेल अइछ ।
अइ सिनेमामे दयाहाङ राई, आशा मङ्गराती, ऋचा शर्मा, पशुपति राई, विजय बराल, गौमाया गुरुङ, निकिता चन्डक, निरज श्रेष्ठ, घनश्याम मिश्रा, आरती मण्डल, पुष्पा यादव, परमेश झा, मदन ठाकुर सहितके कलाकार सब अभिनय कएने छइथ । ओना नेपाली सिनेमाके इतिहासमे ‘राजागंज’ सिनेमा हयात जइमे अत्यधिक संख्यामे जनकपुर क्षेत्रक कलाकार, मधेशक कथावस्तु, मधेशेमे छायाङ्कन आ बहुत सम्वाद सेहो मैथिली आ हिन्दीमे सेहो प्रयोग कएल गेल अइछ । मधेशक पात्रके भूमिकामे बनावटी रंगटिपके प्रयोगके निःशेध करैत पात्र अनुसारके कलाकारके खोजी कइरके अभिनय कराओल गेल अइछ ।
याद रहए, अइस’ पहिने मधेशेके विषयवस्तुमे निराजन मेहताद्वारा निर्देशित सिनेमा ‘मधेशीपुत्र‘के एहने समस्या सामना करए परल छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको