दू अरबके लागतमे लहानमे बनत सुविधा सम्पन्न अस्पताल


सिरहा, २८ फागुन: लहान नगरपालिका–४ मे पाँच सओ शैय्याके हृदय आ मधुमेह रोगके सुविधासम्पन्न अस्पताल बनबाक निश्चित भेल अइछ ।
नेपाल हृदय रोग निवारण सङ्घद्वारा जर्मनीक ‘नेपाल मेड जर्मनी’ आ ‘रोटरी क्लब कटुस’ नामके दुनू अन्तर्राष्ट्रीय गैरसरकारी संस्थाक दू अरब टकाके आर्थिक सहयोगमे निर्माण प्रक्रिया शुरू भेल अस्पतालक ‘कन्सल्टेन्ट फिजीशियन’ डा. सञ्जय प्रसाद साह जानकारी देने छैथ। डा. साहके अनुसार लहान नगरपालिकाकद्वारा उपलब्ध कराएल गेल ११ बिघा जमीनमे अस्पताल बनत आ ओकर विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डिपिआर) तैयार भ चुकल अइछ।
आबएबाला छ वरिष भीतर अस्पताल निर्माण पुरा हेबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ,” ओ जानकारी देलक । नगरपालिकाकद्वारा उपलब्ध कराओल गेल सार्वजनिक जमीनमे तत्काल दूटा भवनक निर्माण क वितल माघ ४ गतेसँ ओपिडी सेवा संचालन भ चुकल अइछ, जे सोमदिन औपचारिक उद्घाटन भेल। लहान नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी आ विश्वप्रसिद्ध हृदय शल्यचिकित्सक डा. कुमुद धिताल संयुक्त रूपसँ नवनिर्मित भवनके उद्घाटन कएलक।
उद्घाटन समारोहमे नगरप्रमुख चौधरी कहलक “लहानमे ‘कार्डियो आ डाइवेटिक सेन्टर’ संचालनमे एनाइँ लहानके लेल गौरवके विषय छी। अस्पताल निर्माण भ गेलाक बाद धरान, विराटनगर आ काठमाण्डूमे इलाज कराबए जाय परैत छल से समस्या आब दूर हाेयबाक विश्वास कएल गेल अइछ।” प्रतिकात्मक तस्विर/एआइ

ताजा खबर
धेरै पढिएको