
वीरगञ्ज (पर्सा), ३ चैत: औद्योगिक आ व्यापारिक नगरी वीरगञ्जमे किछु सप्ताहसँ मच्छरक आतंक बइढ़ गेल अइछ, जाहिसँ सर्वसाधारण परेशान बनल अइछ।
गर्मी शुरू होइते महानगर क्षेत्रमे मच्छरक प्रभाव देखाइ पड़ल अइछ, खास क भोर आ साँझके समय लोकसभकेँ बेसी परेशानी भ रहल अइछ। होलीक समयमे सफाई कर्मचारीसभ छुट्टीपर भेलाक कारण नगर क्षेत्रमे कूड़ा-कचरा नै उठल, जाहिसँ स्थिति आओर बिगड़ि गेल छै। जाढ़के समाप्ति आ गर्मी शुरू हेबाक कारणे सेहो मच्छरक संख्या बढ़ल अइछ। वीरगञ्ज महानगरपालिका वार्ड नम्बर ६ मिनाबजारमे व्यवसाय क रहल परशुराम तेली कहलैन, “बेसिए मात्रामे वीरगञ्जमे मच्छर देखाइ रहल अइछ, मुदा महानगरपालिका एके बेर स्प्रेधैर नै कएलक।” ओ कहलैन, “भोर आ साँझमे बाहर बैसब असम्भव भ गेल अइछ, महानगरपालिका की क रहल छै?”
एहिना, वीरगञ्ज महानगर वार्ड नम्बर ४ बिर्ताके राकेश झा सेहो कहलैन, “वीरगञ्जके नाला सब खुल्ला छै, जाहिसँ मच्छरके आतंक आओर बेसी बइढ़ रहल अइछ। मेयर साहब कहलैन जे वीरगञ्जकेँ स्वच्छ आ हराभरा बनाएत, मुदा ई तँ ‘मच्छड़गंज’ भ गेल अइछ।” डेंगू बोखार मच्छरके काटएसँ फैलएबला रोग अइछ। ई रोग संक्रमित मच्छरद्वारा फैलएत अइछ, जे ग्रामीण क्षेत्र की तुलनामे शहरी क्षेत्रमे बेसी पाओल जाइत अइछ। वीरगञ्ज महानगरपालिका सफाई व्यवस्थापन शाखाक प्रमुख सर्फुदिन मियाँ जानकारी देलैन जे रैवदिनसँ वीरगञ्जक ३२ टा वार्डमे मच्छर मारबैके अभियान शुरू हएत । ओ कहलैन, “डेंगू, मलेरिया आ इन्सेफलाइटिस जाहिसँ प्राणघातक रोगसभकेँ रोकबाक लेल कार्यतालिका बनाओल गेल अइछ। महानगरद्वारा नालामे पम्प स्प्रेसँ तीन बेर लार्भा साइटिंग स्प्रे आ राइतमे दू बेर एयर स्प्रे कएल जाएत ।” महानगरपालिकाक अनुसार, वितल फागुन २५ गते निर्णय लेल गेल छल जे ३ चैतसँ ई अभियान शुरू हएत आ २४ चैतधैर जारी रहत।