हिंसात्मक गतिविधि बन्द करए आयोग कएलक आग्रह


काठमाण्डू, १५ चैतः राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोग आन्दोलनरत पक्षसभकेँ हिंसात्मक गतिविधि बन्द करबाक आग्रह केलक अइछ। आयोगक प्रवक्ता डा. टिकाराम पोखरेलद्वारा जारी विज्ञप्तिमे आन्दोलनकारीसभकेँ अपन प्रदर्शन आ कार्यक्रम शान्तिपूर्ण बनएबाक आग्रह कएल गेल अइछ। translate nepali

प्रवक्ताक अनुसार, “कोनो बहानामे हिंसात्मक गतिविधि आ आनके अधिकारके हनन स्वीकार्य नै अइछ, सरकार एहन कार्यमे संलग्नसभकेँ कानूनी दायरामे अनबाक पहल करए।”

ओ कहलैन जे “समाजवादी मोर्चा आ राजतन्त्र समर्थक राजनीतिक दलसभद्वारा आइ उपत्यकामे आयोजित प्रदर्शन आ आमसभाक अनुगमन आयोगद्वारा चाइर उच्चस्तरीय टोलीसभक माध्यमसँ कएल गेल छल। तीनकुने क्षेत्रमे भेल प्रदर्शन हिंसात्मक बनल पुष्टि भेल अइछ।”

अनुगमनमे पाएल गेल जे प्रदर्शनकारीसभ तीनकुनेसँ प्रहरी घेरा तोइड़ निषेधित क्षेत्र नयाँबानेश्वर दिस बढ़बाक प्रयास केलक, जाहिसँ प्रहरी आ आन्दोलनकारीसभ बीच झड़प भेल। प्रदर्शनकारीसभ प्रहरीपर पत्थर प्रहार करबाक बाहेक घर, कलेज आ विभिन्न संस्थामे आइगजनी सेहो केलक अइछ।

आयोगक अनुसार, “तीनकुने क्षेत्रमे सञ्चारमाध्यमके भवन, कलेज आ निजी घरसभमे आइगजनी कएल गेल, आइग मिझेबाक लेल गेल दमकल आ सशस्त्र प्रहरीके गाड़ी उपर सेहो हमला भेल।”

आयोग प्रवक्ता डा. पोखरेल जानकारी देलैन जे “कोटेश्वर क्षेत्रमे अनुगमन करैत आयोगक टीमपर सेहो हमला भेल आ कर्मचारीसभ घायल भेल छैथ।”

प्रवक्ताक अनुसार, “भीड़के नियन्त्रित करबाक लेल प्रहरी पाइनक छिटा, तोप आ हवाइ फायरिंग कएलक, सङे निजी आवासक प्रयोग क अश्रु गैस छोड़बाक घटना सेहो देखल गेल।” आयोग स्पष्ट केलक जे “शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शन मानव अधिकारके हिस्सा अइछ, मुदा अपन अधिकारक प्रयोग करैत आनके अधिकारमे हस्तक्षेप करब मानव अधिकारके मुल्यमान्यता विरुद्ध छी।” रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको