
जनकपुर, २९ चैत: नेपाली कांग्रेसक नेता विमलेन्द्र निधि राजनीतिक तथा सामाजिक क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान कएने स्वर्गीय रामनारायण मिश्रके सालिक निर्माणमे अवरोध नै करबाक आग्रह कएलैन अइछ ।
आइ जनकपुरधाममे पत्रकारसङे बातचित करैत ओ जहाँनिया शासनके अन्त आ प्रजातन्त्र अनबाक लेल कएने सङ्घर्षके स्मरण करैत स्व मिश्रके सालिक निर्माण रोकैबला काज कोनो हालतमे नीक नै भेल बतौलैन ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका-४ स्थित गङ्गासागर पोखरी पूर्वदिसके डिलमे स्वर्गीय मिश्रके सालिक निर्माणकार्य शुरू भेलासँ स्थानीय किछ व्यक्ति विरोध कएने छैथ । सालिक निर्माण होएबला जमिन स्वर्गीय मिश्र परिवारेके रहलासँ ताहि कार्यमे अवरोध नै करए लेल नेता निधि आग्रह कएलैन ।
नेपाली कांग्रेसक नेता प्रफुल्लराज घिमिरे स्वर्गीय मिश्रके सालिक निर्माणमे गलत राजनीति नै करए तथा हुनक योगदानके कदर करबाक लेल सबकेँ आग्रह कएलैन ।
स्वर्गीय मिश्र वि.सँ २०१५ मे भेल निर्वाचनमे तत्कालीन महोत्तरी जिलासँ निर्वाचित भ बिपी कोइराला नेतृत्वके पहिल जननिर्वाचित सरकारमे उद्योगमन्त्री भेल छल । हुनक कालमे जनकपुरधामक जनकपुर चुरोट कारखाना, वीरगन्ज चिनी कारखाना, कृषि औजार कारखाना, बाँसबारी छाला उद्योगसहितक दर्जनौँ उद्योग स्थापना भेल रहए ।
वि.सं. २०१७ पुस १ गते राजा महेन्द्र पञ्चालयती व्यवस्था शुरू कएलाक बाद मिश्रकेँ सेहो लम्बा समयधैर जेलमे कैद छल । हुनक वि.सं २०२७ पुस ६ गते निधन भेल छल ।
हाल सालिक निर्माण होएबला स्थलमे प्रत्येक वर्ष हुनक पुण्यतिथि मनाए रहल अइछ । एत सालिक निर्माणक लेल जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकासँ बजेट विनियोजन क कार्य आगू बढ़ाैने नगरप्रमुख मनोज कुमार साह बतौलैन । रासस
—