आलुखेतीसँ तीन महिनामे आठ लाख आम्दनी


इनरुवा (सुनसरी), ४ वैशाख । सुनसरी जिलाक भोक्राहा नरसिंह गाउँपालिका–७ निवासी राजकिशोर मेहताक तीन बिघा जमीनमे आलुखेती कएने छैथ। ओहिमे सबटा खर्च सहित करीब छ लाख टका खर्च कएल गेल रहए। मेहताक अनुसार ओहि खेतीसँ करिब १४ लाख टका क आलु उत्पादन भेल अइछ।

तीन महिना मेहनत कएलाक बाद ओहि आलुखेतीसँ आठ लाख टका आम्दानी भेल, मेहता कहलैन । हुनका अनुसार १४ लाख टकाके आलु बेच क सब खर्च कटा क आठ लाख टका आम्दनी भेल। मेहताक कहलैन, “विभिन्न समस्या तँ छैहे, मजदूर आ खाद्यमलक अभाव छै। तइयो तीन महिनाके मेहनतसँ ई आम्दानी करएमे सफल भेलाैँ। ई देशेमे किछु करए सकए छी से एकटा उदाहरण छी।”

सुनसरीक कृषि ज्ञान केन्द्रक प्रमुख नीलकमल सिंह कहलैन “एहि ठामक अधिकांस लोक हिउँदे बालीक रूपमे मुख्य रूपसँ आलुखेती करैत छैथ। एत काडिनल, जनक, कुफरी जपी, भूटानी, सठिया, टिपिएस आदि जातिक आलु लगाएल जाइ छै। कृषि ज्ञान केन्द्रक अनुसार समग्र रूपमे वार्षिक तीन हजार हेक्टर क्षेत्रफलमे आलुखेती होइत अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको