
इनरुवा (सुनसरी), ५ वैशाख: सुनसरी जिलाक कोशी गाउँपालिका–६मे वृहस्पैतदिन भेल आइगलगीसँ करिब ६० लाख टका बराबर क्षति भेल अइछ। गठुलामे माछी आ मच्छरा भगेबा लेल कएल घुरासँ उठल लपेटसँ पाँच परिवारक १० गोटे घर पूर्णरूपेण जइर क नष्ट भेल अइछ ।
स्थानीय वीरेन्द्र कुमार यादव अनुसार बाबुनन्द गोइत, रमानन्दराम यादव, मनोज यादव, खुशीलाल गोइत आ विजय गोइतक घर एहि आइगलगीमे जइर क नष्ट भ गेल, जाहिमे करिब ६० लाखक क्षति भेल अइछ। बाबुनन्द गोइतक घरमे राखल एक लाख टका नगद सेहो आइगमे नष्ट भ गेल छै।
जिला प्रहरी कार्यालयक सहायक प्रवक्ता आ प्रहरी निरीक्षक दिनेश अधिकारी जनौलैन जे आइगलगीमे घरक भीतर रहल फर्निचर, सम्पूर्ण सामग्री सङे सोनाचाँनी आदिकेँ सेहो भारी नुकसानी पहुँचल अइछ। आइग बाबुनन्द गोइतक घरसँ शुरू भेल छल।
एहि आइगलगीमे नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, स्थानीयवासी आ कोशी गाउँपालिकाक बारुणयन्त्रक सहयोगसँ नियन्त्रण कएल गेल, जानकारी जिला प्रहरी कार्यालयद्वारा देल गेल अइछ।रासस