सञ्चालन भेल हेटौँडा सिमेन्ट उद्योग


बागमती, ५ वैशाख । हेटौँडा सिमेन्ट उद्योग छ महिनाबाद पुनः सञ्चालन भेल अइछ । उद्योगक यन्त्रके मर्मतसम्भार आ कच्चा पदार्थके आपूर्ति भेलाक बाद वितल मङ्गलदिनसँ सिमेन्ट उत्पादनके करबाक लेल चुनापत्थरके तैयारी प्रारम्भ भेल अइछ ।

उद्योगक निमित्त महाप्रबन्धक नवीन कुमार कर्णक अुनसार एक दू दिनके बाद सिमेन्ट उत्पादन शुरू होएबला अइछ । आब दैनिक रुपमे ६०० क्विन्टल सिमेन्ट उत्पादन करबाक लक्ष्य अइछ । वि.सं. २०३३ मे जड़ान कएल गेल यन्त्र कबाड़ी भेलासँ नयाँ खरिद करबामे ओ जोड़ देलैन ।

नेपाल विद्युत् प्राधिकरणकेँ बिजुली महसुल आ कर्मचारीकेँ पारिश्रमिकके व्यवस्था करए लेल कठिन भेल अवस्थामे नयाँ यन्त्र खरिद असम्भव भेल समस्या देखाबैत ओ उद्योगक समस्या समाधानमे सरकार सहयोग करबाक विश्वास व्यक्त कएलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको