सरकार परिवर्तनके हल्ला झुठ छै, निर्धक्क भ काज करू: प्रधानमन्त्री


चितवन, ५ वैशाखः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली पैघ दलके साझेदारीमे निर्मित वर्तमान सरकार परिवर्तनके हल्लामे कोनो सत्यता नै भेलाक कारण निर्धक्क भ विकाश निर्माणसहित सुशासनके काममे केन्द्रित होबाक लेल आग्रह कएलैन अइछ ।

चितवनके इच्छाकामना गाउँपालिकाके प्रशासकीय भवनके आइ उद्घाटन करैत प्रधानमन्त्री ओली देशमे स्थिरता, विकाश आ सुशासन दिनके लेल लम्बा इतिहास रहल नम्हर दलसभ एकसाथ मिल क ई सरकार बनलासँ सरकार अपन लक्ष्य आ गन्तव्यमे सुस्पष्ट रहल बतौलैन ।

प्रधानमन्त्री ओली कहलैथ, “देशकेँ सुशासनयुक्त बनाबए, नेपालकेँ समृद्ध आ नेपालीकेँ सुखी बनाबए हमरासभ पूर्ण रुपमे लागल छी । अहाँसभ सेहो निर्धक्क भ एहि अभियानमे करू । सब मिल क देश बनाबी ।” ओ नयाँ भवनसँ गाउँपालिकाके सुशासन आ सेवा प्रवाहके काममे सहजता अएबाक विश्वास सेहो व्यक्त कएलैन ।
कार्यक्रममे उपप्रधानमन्त्री एवम् शहरी विकाशमन्त्री प्रकाशमान सिंह, बागमती प्रदेशक प्रमुख दीपकप्रसाद देवकोटासहित सहभागी छलैथ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको