
काठमाण्डू, ६ वैशाख । नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घके अध्यक्ष चन्द्रप्रसाद ढकाल नेपालमे लगानीके प्रशस्त सम्भावना भेल उल्लेख करैत वैदेशिक रोजगारीमे गेल नेपालीकेँ लगानीक लेल आह्वान कएलैन अइछ ।
शुक्रदिन साँझ कतारके राजधानी दोहामे बागलुङ सेवा समाज कतारके संरक्षकत्वमे बुहउद्देश्यीय अक्षयकोष स्थापनाके लेल आयोजित प्रथम अधिवेशनकेँ सम्बोधन करैत अध्यक्ष ढकाल नेपालमे किछो नै छै, किछ नै भेलै से गलत भाष्य निर्माण कएल गेल महासङ्घ जनौलक अइछ ।
ओ कहलैथ, “नेपालमे सम्भावना नै छै से गलत आ नकारात्मक भाष्य बनाबए चाइह रहल छै, विदेशसँ अइ ठाँमक विकाश आ प्रविधिसङ तुलना करैत नेपालके विरोध सेहो कएल गेल, नेपालमे विदेशमे जकाँ मेहनत करब तँ एत बहुत काज कएल जा सकै छै ।”
वैदेशिक रोजगारीमे गेल नेपालीकेँ लगानीके अवसर प्रदान देबाक लेल १० अरब टकाके पुँजीके नेपाल डेभलपमेन्ट कम्पनी स्थापना कएल गेल जानकारी कराबैत ढकाल ताहि कम्पनीमार्फत लगानी करबाक लेल वैदेशिक रोजगारीमे रहल नेपालीकेँ आग्रह कएलैन । ओइ कम्पनी देशभित्र तथा बाहर रहह नेपालीसभके पुँजी सङ्कलन क जलविद्युत्, पर्यटन, उद्योग तथा विभिन्न सम्भावना भेल क्षेत्रसभमे लगानी क रहल ओ बतौलैन । ओ ओइ कम्पनीमे सहभागी भ लगानी करबाक आग्रह कएलैन ।
अध्यक्ष ढकाल बागलुङसँ कतारमे आएल बागलुङवासी अपन संस्थागत सामाजिक उत्तरदायित्वअन्तर्गत काज करए अक्षयकोष स्थापना कएलापर विशेष धन्यवाद व्यक्त करैत ओ ताहि कोषमे १५ लाख टका सहयोग करबाक घोषणा कएलैन । रासस