मतदाता नामावली अद्यावधिक करैत निर्वाचन आयोग


काठमाण्डू, ८ बैशाख । निर्वाचन आयोग मतदाता नामावली अद्यावधिक कार्यक्रम सफल बनेबाक लेल सम्पूर्ण सरोकारवाला आ मतदातासभकेँ सहयोग करबाक आग्रह कएने अइछ। आयोगक अनुसार एहि कार्यक्रम लेल ऑनलाइन निवेदन द सकैत छै वा सम्बन्धित निर्वाचन कार्यालयसँ सम्पर्क कएल जा सकैत अइछ।

आयोगक प्रवक्ता निता पोखरेल अर्याल जानकारी देलैन जे निर्वाचन आयोगद्वारा स्वीकृत ‘मतदाता नामावली अद्यावधिक कार्यविधि, २०८१’ अनुसार ई अद्यावधिक कार्यक्रम संचालनमे आएल अइछ।

ई कार्यक्रमक अन्तर्गत वितल चैत महिनाक अन्तधैर १८ वर्ष उमेर पूरा कएने नागरिकसभक विवरण वैशाख १ गतेसँ अद्यावधिक प्रक्रियामे समावेश भ चुकल अइछ।

मतदातासभक प्रारम्भिक नामावली आयोगक वेबसाइट www.election.gov.npपर प्रकाशित कएल गेल अइछ। अद्यावधिक कार्य पूर्ण भेलाक पश्चात वैशाख महिनाक अन्त्यमे अन्तिम मतदाता नामावली प्रकाशित कएल जाएत, प्रवक्ता अर्याल जनौलैन।

आयोगक अनुसार, अद्यावधिक प्रयोजन लेल प्रकाशित प्रारम्भिक नामावलीमे कोनो त्रुटि भेल होए तँ ओकर सुधार, कोनो व्यक्तिक विरोधमे उजूरी देब, एकसँ बेसी स्थानपर नाम छैहे तँ ओकरा हटेबा लेल, मृत व्यक्ति आ नागरिकता त्याग कएनिहारक नाम नामावलीसँ हटेबा लेल वैशाख ७सँ १४ गतेधैर निर्वाचन कार्यालय वा अनलाइनमार्फत निवेदन देबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

एहि अवधिकेँ क्रममे नव नाम दर्ता तथा अद्यावधिक कार्य लगातार जारी रहत, आयोग स्पष्ट कएने अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको