
काठमाण्डू, ८ वैशाखः बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानके शिक्षाध्यक्ष प्राडा सञ्जिव कुमार शर्माकेँ उपकुलपतिके जिम्मेवारी प्रदान कएल गेल अइछ ।
प्रतिष्ठानके शिक्षाध्यक्ष शर्माकेँ प्रतिष्ठानके दैनिक प्रशासनिक, शैक्षिक तथा आर्थिक कार्य करबालेल अधिकारसहितक जिम्मेवारी देल गेल अइछ ।
नयाँ उपकुलपति सिफारिश भ नियुक्ति नै भेल समयधैर्के लेल शर्माके निमित्त उपकुलपतिके जिम्मेवारी तोकल गेल प्रतिष्ठानके प्रवक्ता प्राडा अन्जु प्रधान जानकारी देलैन ।
शिक्षाध्यक्ष शर्मा एहिसँ पहिने सेहो निमित्त उपकुलपतिके जिम्मेवारी निर्वाह क चुकल छैथ । डा ज्ञानेन्द्र गिरीक उपकुलपतिक कार्यकाल बितल चैत २६ गते समाप्त भेल छल । रासस