
सिरहा, ९ वैशाख । सदरमुकाम सिराहास्थित प्रादेशिक अस्पतालमे सेवाग्राही परेशानी भोइग रहल कहैत स्थानीय जनप्रतिनिधिके अगुवाइमे युवासभ तत्काल सुधारके मांग केलक अइछ । ओसभ सोमदिन अस्पताल परिसरमे भेला भ सेवा प्रवाह, चिकित्सकके नियमित उपस्थिति, अस्पताल फार्मेसीके दवाइ वितरण आ मौज्दात विवरण सार्वजनिक कएल जेबाक चाहीलगायतके मांगसहित अस्पताल प्रमुखकेँ तीनदिनक ‘अल्टिमेटम’ दैत १९ बिन्दु मांगपत्र बुझेलक अइछ ।
अस्पताल प्रशासनकेँ बेरबेर मौखिक तथा लिखित रूपमे ध्यानाकर्षण करेलोपर अस्पताल प्रशासन धीयान नै देलासँ बाध्य भ विरोधमे करए पड़ल सिराहा नगरपालिका–६ क वाडध्यक्ष इन्द्रजित यादव बतौलैन । “हमरासभ विगतसँ अस्पताल सुधारके लेल बेरबेर अस्पताल प्रशासनकेँ ध्यानाकर्षण करबेलौँ”, ओ कहलैथ, “मुदा मेडिकल सुपरिटेन्डेन्ट आ अस्पताल विकाश समितिक अध्यक्ष अस्पतालके गतिविधिमे अनियमितता, सेवा सुविधा, दवाइ खरिद आ वितरणमे कैफियत नै बन्द भेल । सेवाग्राहीके शिकायत मात्रे आबै छै ।” हमरासभके मांग सम्बोधन नै भेल तँ तीन दिनबाद आओर सशक्त विरोध कार्यक्रम सार्वजनिक कएल जाएबला ओ जानकारी देलैन अइछ ।
मांगपत्रमे पछिला तीन आर्थिक वर्षमे अस्पतालसँ खरिद कएल गेल दवाइके हिसाब, बेमारकेँ वितरण भेल दवाइके विवरण, म्याद खतम भेल दवाइ, खरिद कएल गेल प्रयोगशालाक सामानके हिसाब विवरण सार्वजनिक करबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ ।
तहिना, आमा सुरक्षा कार्यक्रम, एकद्वार सङ्कट व्यवस्थापन केन्द्र (ओसिएमसी)मार्फत सेवा लेनिहार बेमारके विवरण आ भेल खर्च, अस्पतालमे कार्यरत सम्पूर्ण कर्मचारीके नामावली आ नियुक्तिसँ सम्बन्धित कागजात, अस्पतालक विभिन्न उपकरण खरिद बिक्रीमे नगद हिनामिना भेल कहैत हरहिसाब मांग कएल गेल अइछ ।
अस्पतालमे कार्यरत स्वास्थ्यकर्मी तथा कर्मचारीके तलबभत्ता हरेक महिना व्यवस्था करए लेल, अस्पतालमे कार्यरत हरेक कर्मचारीके ड्रेस कोडके व्यवस्था, सरसफाइ तथा सम्पूर्ण कर्मचारीके नामावली आ समयतालिकासहित सूचनापाटीमे सारवजनिक करबाक मांग केलक अइछ ।
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह ४ वैशाखके राइत अस्पताल अनुगमन कएने चारिम दिन स्थानीय युवासभ अस्पताल सुधारके मांग करैत तीनदिने अल्टिमेटमसहित मांगपत्र सौपलक अइछ। मुख्यमन्त्री अनुगमनक नाममे अस्पतालके भौतिक पूर्वाधार, रजिस्ट्रारसहित सम्बन्धित कागजातमात्रे देख क गेल शिकायत युवासभ क रहल अइछ । रासस