
राजबिराज, १० बैशाख । राजबिराजमे भ’ रहल मधेश प्रिमियर लिग क्रिकेट प्रतियोगिताक पहिल सेमिफाइनल खेलमे मिथिला वारियर्स जनकपुर सनराईज केँ ४ विकेट सँ हराक’ फाइनलमे पहुँच गेल ।
बुध दिन भेल खेलमे जनकपुर सनराईज टस जितिक’ पहिने बैटिंग कएलक । ओ १७ ओभर ३ बलमे अपन सबटा विकेट गुमाक’ ८८ रन बनेलक। जनकपुरक तरफ सँ विशाल सुश्लिंग ३४ रन आ आरिफ शेख २५ रन बनौलनि ।
मिथिला वारियर्सक बलिंगमे शेर मल्ल ३ टा विकेट लेलक । कुशल भुर्तेल आ नन्दन यादव २–२ टा आ वसन्त खत्री १ टा विकेट लए जनकपुरक पारी छोट क’ देलक। ८९ रनक लक्ष्य मिथिला वारियर्स १५ ओभर ३ बलमे ६ विकेट गुमाक’ पुरा क’ लेलक । टिमक तरफ सँ कुशल भुर्तेल २७ रन, दीपेन्द्र सिंह ऐरी अविजित १९ रन आ बसिर अहमद १४ रन बनौलनि ।
जनकपुरक बलर बिपिन खत्री आ फदेह सिद्दिकी २–२ टा आ तुल बहादुर मगर १ टा विकेट लेलक । खेलक प्लेयर अफ द म्याच कुशल भुर्तेल बनलाह। हुनका जसपा नेता दिनेश यादव, राजबिराज वडा नं. २ क वडा अध्यक्ष अरूण यादव आ युवा नेता लक्ष्मण यादव मिलिक’ कप आ ५ हजार १ सय टकाक चेक हस्तान्तरण कएलक ।
एहि खेलक बाद दोसर सेमिफाइनल बलान आ काठमाण्डूक बीच होएत । विजेता टिम मिथिला वारियर्स संगे फाईनल खेलत ।