
काठमाण्डू, १० वैशाखः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीद्वारा भारतक जम्मु कश्मीरके पहलगाममे निर्दोष पर्यटकसभपर भेल बर्बर आतङ्कवादी हमलाके निंदा केलैन अइछ ।
सामाजिक सञ्जाल एक्समे ओ उक्त हमलामे मारल गेलसभप्रति समवेदना व्यक्त केने छैथ । “दुःखके अइ घडीमे नेपाल सरकार भारत सरकारके साथ दृढतापूर्वक ठाढ़ अइछ, आतङ्कवादके कोनो रूप आ प्रकटीकरणके नेपाल सरकार निंदा करैत अइछ ।”
उक्त आक्रमणमे एक नेपाली नागरिक सेहो परल अइछ सेसम्बन्धी विवरणसभकेँ पुष्टि करबाक लेल सम्बन्धित निकायसभसँ सरकार निकट सम्पर्क एवं समन्वयमे रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री ओलीद्वारा सरकारके तर्फसँ हर संभव सहयोग होबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।
भारतीय सञ्चारमाध्यमसभक अनुसार मङ्गलदिन अपराह्न भेल उक्त आक्रमणमे एक नेपालीसहित २६ गोटेके मृत्यु भेल अइछ आओर अन्य १० लोक चोटिल भेल छैथ ।