बरियापट्टीके दलित समुदायमे ४८ टा कलधारा निर्माण


सिरहा, १० वैशाख । जिलाके बरियारपट्टी गाउँपालिका–४ स्थित तेनवापट्टी बस्तीमे ६० दलित परिवारके बसोबास अइछ । दक्षिणतर्फक हुलाकी सडकसँ नजदिकेमे रहल ई बस्तीमे चाइर सओ हाराहारिसँ बेसि जनसङ्ख्या बसोबास करैत आएल अइछ ।

गाउँपालिका आ दलित जनकल्याण युवा क्लब लहानके साझेदारीमे दू महिना पहिने एहिठाम कलधारा निर्माण भेलाक बाद एकटा ईनारपर निर्भर ई गामक लोकके खानेपानी (पिबबला पान)के समस्यासँ मुक्ति भेटल अइछ । बरियारपट्टी गाउँपालिकाके विभिन्न दलित बस्तीमे हालधैर ४८ टा कलधारा उपलब्ध कराएल गेल अइछ ।

“दू महिना पहिनेधैर एहिठामके स्थानीय खानेपानीक लेल एकटा ईनारपर निर्भर छलैथ । ईनारके पाइन पिब, हातमुह धोब, नहाएब, भाँडावर्तन धोबलगायतक काजमे प्रयोग होइत छल”, स्थानीय अधनिया देवी सदाय कहलैन । अखन कलधारा निर्माण भेल बाद पाइनके समस्या समाधान भेल हुनकर कहब अइछ ।

“हातमुह धोब, घरायसी प्रयोजनके लेल आवश्यक पाइन भरबालेल भोरेसँ लाइनमे बैस पदै छल । पाइनके लेल बहुत दुःख आ हरानी भोग पडैत छलै”, विगतकेँ स्मरण करैत सदाय कहलैथ, “अखन बस्तीमे १० टा कलधारा अइछ । जेसभ खानेपानीके समस्या समाधान केलैन हुनकासभकेँ धन्यवाद ।”

ई कलधारा दू महिना पहिने स संस्था आ पालिकाद्वारा वितरण भेल स्थानीय अमरिका कुमारी सदाय बतौलैन । ओ कहलैन, “एहिसँ पहिने बस्तीमे रहल ईनारसँ गन्दा पाइन आबैत छल । गन्दा भेलोपर पाइन पिबैलेल बाध्यता छलै । अख्न जडान कएल ट्युबवेलमे साफ पाइन आइब रहल अइछ ।” पहिने एकटा मात्र ईनार भेलसँ नहेबाल्व्ल बेसी समस्या भेल अनुभव ओ सुनैलैन।

एहने समस्या छलै बरियारपट्टीके वडा नं २ स्थित खोक्सीके दलित बस्तीमे । चालिस परिवार रहल उक्त बस्तीमे अखन दू टा कलधारा जडान कएल गेल बस्तीके फूल कुमारी पासवान जानकारी देलैन । हुनका अनुसार आओर कलधारा निर्माणक क्रममे अइछ ।

एहिना वडा नं १ स्थित नर्गीमे रहिरहल दलित बस्तीमे छ टा कलधारा निर्माण कएल गेल अइछ । गर्मीके समयमे पाइनके प्रयोग करबाक लेल सहज भेल स्थानीय बतौलैन अइछ ।

एहिठामके दलित बस्तीमे पाइनके चरम अभाव देखेलाक बाद एकीकृत जीविकोपार्जन सुधार परियोजनाअन्तर्गत कलधारा उपलब्ध कराएल गेल दलित जनकल्याण युवा क्लबके कार्यक्रम संयोजक लालुप्रसाद पोखरेल बतौलैन । ओ कहलैन, “एतेक पैघ बस्तीक लोकसभ एकेटा ईनाइरक पाइनमे निर्भर रह लेल बाध्य रहल पता चललाक बाद हमसभ हुनकासभक सहयोग केलौ । एहिसँगे हमसभ हुनकासभक जीविकेपार्जनके लेल अन्य सहयोगसभ सेहो केने छी ।”

संयोजक पोखरेलके अनुसार बरियारपट्टी गाउँपालिकाके विभिन्न दलित बस्तीमे ४८ टा कलधारा उपलब्ध कराएल गेल अइछ । उक्त कलधाराके ३० सँ ६० हजार टकातक लागत रहल हुनकर कहब अइछ ।

संयोजक पोखरेल परियोजनाअन्तर्गत दलित आ सीमान्तकृत समुदायके जीविकोपार्जन, आम्दानी तथा उत्पादनमे वृद्धि, सरसफाइ, स्वच्छता आ खाद्य व्यवहार सुधार तथा सामुदायिक समूहके सशक्तीकरणके लेल भूमिका निर्वाह क रहल जानकारी देलैन ।

गाउँपालिकाके स्वास्थ्य शाखा प्रमुख रामजुलुम मण्डल विभिन्न संस्थासभसंङ सहकार्य आ समन्वय करैत विपन्न दलित समुदायके जीवनस्तर उठाब लेल निरन्तर सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको