सदनमे सशक्त रुपमे प्रस्तुत होबालेल अध्यक्ष दाहालक निर्देशन


काठमाण्डू, ११ वैशाखः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)के अध्यक्ष तथा पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ शिक्षकके जायज माग पूरा करबालेल सरकारके सुझाव देलैन अइछ ।

ओ अपन पार्टीक सांसदकेँ निजामती सेवा ऐनलगायत विधेयक सदनद्वारा पारित करर्बालेल सक्रियतापूर्व लाग लेल सेहो जोड देलैन ।

पार्टी संसदीय दलक आइ भेल बैसारमे ओ शिक्षक, चिकित्सक तथा लघुवित्त पीडितसभसंगे अपन संवाद भ रहल सुनाबैत सरकारकेँ सेहो समस्या समाधानतरफ लगबालेल सुझाब देलैन से अध्यक्ष दाहालक निजी सचिवालय जनौलक अइछ ।

अध्यक्ष दाहालद्वारा सङ्घीय निजामती सेवा ऐन आ विद्यालय शिक्षा विधेयकसंन महत्वपूर्ण विधेयकसभ संसद्सँ पारित करबाक लेल सब सांसद सक्रिय होबाक लेल जोड देने छलैथ ।
‘तराई–मधेश जागरण अभियान’मार्फत माओवादीप्रति पुनः जनविश्वाश स्थापित भ रहल उल्लेख करैत अध्यक्ष दाहाल जनाधार भेल व्यक्तिसभ पार्टीमे प्रवेश क रहल आ ओइ स सङ्गठनकेँ अओर मजबुती भेटल बतौलैन अइछ ।

बैसारमे पछिला राजनीतिक परिदृश्य, सरकारके कार्यशैली, पार्टीक भूमिका आ जनअपेक्षाबारेमे बातचित भेल छलै । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको