
राजबिराज, ११ बैशाख । राजबिराजमे सम्पन्न तेसर संस्करणक मधेश प्रिमियर लिग क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मिथिला वारियर्स जितएमे सफल भेल अइछ।
बृहस्पैत दिन पवित्र माध्यमिक विद्यालय खेलमैदानमे भेल फाइनल खेलमे मिथिला वारियर्स बलानबिहुलके ५ विकेटसँ पराजित करैत विजेता बनल। टस जितकए बलानबिहुल पहिने ब्याटिंग करैत १९ ओभर ३ बलमे सभ बिकेट गुमाकय १५३ रनक योगफल तयार कएलक।
ओइमे राष्ट्रिय खेलाडी विवेक यादव ४५ रन (२ चौका, ४ छक्का), लोकेश बम ४१ रन, सुजन थपलिया २८ रन आ फिर्दौस अन्सारी १५ रन बनौलक। मिथिला वारियर्सक बलिंगदिस वसन्त खत्री ३ विकेट, शेर मल्ल आ कुशल भुर्तेल २/२ विकेट तथा नन्दन यादव १ विकेट हासिल केलक।
जवाफमे मिथिला वारियर्स १५४ रनक लक्ष्य १८ ओभर ३ बलमे ५ विकेट गुमाकय पूरा करैत उपाधि अपन नाम केलक। जइमे कुशल भुर्तेल उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत ५८ रन बना टीमके जीत दिस ल’ गेल।
संगही रबि साह ४४ रन आ बसिर अहमद २५ रन बनौलक बलानबिहुलक बलिंगतर्फ विवेक यादव आ अरनिको यादव २/२ विकेट लेलक।
फाइनल खेलक ‘प्लेयर अफ द म्याच’ कुशल भुर्तेल घोषीत भेल। ‘प्लेयर अफ द सिरिज’ विशाल पटेल (जनकपुर सनराइज), ‘बेस्ट ब्याटर’ आशिष शेख (जनकपुर सनराइज) आ ‘बेस्ट बलर’ शेर मल्ल (मिथिला वारियर्स) घोषित कएल गेल।
आयोजक समिति अध्यक्ष ई. संजीव नारायण यादव जानकारी देलथि जे विजेता टिमके ९ लाख १ हजार टाका आ उपविजेताके ४ लाख १ हजार टाका नगदसहित शिल्ड, कप आ प्रमाणपत्रसँ सम्मानित कएल गेल।
सम्मान समारोहमे मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतीश कुमार सिंह, एमपीएल अध्यक्ष ई. संजीव नारायण यादव, नेपाल क्रिकेट संघक केन्द्रीय सदस्य आयुष श्रेष्ठ लगायतक उपस्थिति छल।