राष्ट्रपतिद्वारा शिक्षा मन्त्रीके शपथ  


काठमाण्डू, ११ वैशाख । राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा नवनियुक्त शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री रघुजी पन्तके पद आ गोपनियताक शपथ ग्रहण कराएल गेल अइछ।

आइ राष्ट्रपति कार्यालयमे आयोजित विशेष समारोहमे राष्ट्रपति पौडेलद्वारा शिक्षामन्त्री पन्तके शपथ ग्रहण कराएल गेल। ओहि समारोहमे उपराष्ट्रपति रामसहायप्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, सभामुख देवराज घिमिरे, राष्ट्रिय सभा अध्यक्ष नारायणप्रसाद दाहाल, मन्त्रीगण, सांसदसभ, आ संवैधानिक निकायक प्रमुखसभ उपस्थित छलाह।

नेकपा एमालेक नेता पन्तके प्रधानमन्त्री ओलीक सिफारिशपर बुधदिन राष्ट्रपति पौडेलद्वारा शिक्षामन्त्री नियुक्त कएल गेल छल। पूर्व शिक्षामन्त्री विद्या भट्टराई स्वास्थ्य कारण देखबैत इएह वैशाख ८ गते राजीनामे देने छल।

नवनियुक्त शिक्षामन्त्री पन्त समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीसँ प्रतिनिधि सभाक सदस्य छैथ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको