चालू आर्थिक वर्षमे सप्तरीमे १३ टा पुला निर्माण


गोलबजार (सिरहा), १२ वैशाख । चालू आर्थिक वर्षक नौ महिनामे सप्तरी जिलामे छ टा पुलाक निर्माण पूर्ण कएल गेल अइछ, निर्माणाधीन सात पुलाक काज अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ।

लहानमे अवस्थित सड़क डिभिजन कार्यालयक प्रमुख आशुतोष कर्णक अनुसार, निर्माण पूर्ण भेल पुलसभक ‘लोड टेस्ट’ बाकी अइछ। सप्तरीमे सड़क सञ्जालकेँ विस्तार करबाक लेल पुल निर्माणक काज तीव्रगतिसँ जारी अइछ।

शम्भुनाथ नगरपालिका–११ देवधारमे ६ करोड़ ५७ लाख ८२ हजार टका तथा छिन्नमस्ता गाउँपालिका स्थित घोडदह नदीपर १ करोड़ ९१ लाख ९२ हजार टका लागतमे पुल निर्माण भेल अइछ।

ताहि तरहें कनकटा–९ आ बेल्ही–५केँ जोडैबला सड़कपर अवस्थित मुत्तनी खोलामे र४ करोड़ ४ लाख ५४ हजार टका लागतसँ पुला बनाएल गेल अइछ। तेँ राजविराज–छिन्नमस्ता सड़कसँ बेल्हा–६ आ ५ होइत बहैबला घोडदह खोलामे ४ करोड़ ८५ लाख ६३ हजार टका खर्चमे पुला बनाएल गेल अइछ।

छिन्नमस्ता गाउँपालिका–५ स्थित राजविराज–छिन्नमस्ता सड़कअन्तर्गत खिरखौका नदीपर सेहो ५ करोड़ ४२ लाख २० हजार टका लागतसँ पुला निर्माण पूर्ण भेल अइछ। राजविराज–कुनौली सड़कपर स्थित महुली घाडन खोलामे ६ करोड़ १३ लाख ५४ हजार टकामे पुल बनाएल गेल छै।

सप्तरीमे निर्माणाधीन सात पुलसभमे काज अन्तिम चरणमे पहुँच चुकल अइछ। छिन्नमस्ता गाउँपालिका–१ ललापट्टी–बुटनपोखरी भलवाही पुला ३ करोड़ ७३ लाख ८२ हजार टका लागतसँ ९७ प्रतिशत पूर्ण भ  चुकल अइछ। ओहि निर्माण कम्पनीद्वारा विशहरिया–१ स्थित भलवाही खोलापर बनाएल जा रहल पुल ३ करोड़ ६२ लाख ७४ हजार टका लागतसँ बइन रहल पुला अन्तिम चरणमे रहल जानकारी सड़क डिभिजन कार्यालयक इञ्जिनियर सुरेन्द्र दास देलैन।

रुपनी गाउँपालिका–६ स्थित दुधैला खोलापर नवा बस्ती लगमे ६ करोड़ ५३ लाख ७५ हजार टका लागतमे बइन रहल अइछ, जाहिमे ८० प्रतिशत काज पूर्ण भ  चुकल अइछ। फकहा–बरदहीक बीच बहैबला मुत्तनी नदीपर सेहो पुल निर्माण तेजीसँ जारी अइछ। ओहि पुलक वित्तीय प्रगति ८३.५८ प्रतिशत तथा भौतिक प्रगति ८५ प्रतिशत  भेल छै।

तहिना, रुपनी गाउँपालिका–६ दुधैला खोला पुलाक भौतिक प्रगति ९० प्रतिशत भ  चुकल अइछ। ई पुल रु. ९ करोड़ ७५ लाख ९८ हजारक लागतमे निर्माणाधीन अइछ। शम्भुनाथ नगरपालिका–९सँ बहैबला भवररा नदीमे ४ करोड़ ७५ लाख ३१ हजार टकाके लागतमे बइन रहल पुलाक भौतिक प्रगति ८२ प्रतिशत भ  चुकल अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको