नेपालमे कतेक छै विद्यालय ?


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, १३ वैशाख : नेपालके शिक्षा क्षेत्रमे विगतमे भेल लगानी आ शैक्षिक पूर्वाधारके विकाशसँ उल्लेखनीय उपलब्धि प्राप्ति शुरू भेल अइछ ।

पूर्वप्राथमिक शिक्षामे कूल भर्नादर ८४ दशमलव ७ पहुँचल छै तँ प्रारम्भिक बाल विकाशके अनुभवसहित कक्षा १ मे भर्ना होएबला बालबालिका प्रतिशत ६६ दशमलव ९ पहुँचल राष्ट्रिय योजना आयोग जनौलक अइछ ।

आयोगक अनुसार, प्राथमिक तह कक्षा १सँ ५, आधारभूत तह कक्षा १सँ ८ माध्यमिक तह कक्षा ८सँ १२के खुद भर्नादर क्रमशः ९६ दशमलव ९ प्रतिशत ९२ दशमलव ७ प्रतिशत आ ४६ दशमलव ४ प्रतिशत पहुँचल अइछ ।

कक्षा ५ आ कक्षा ८ धैरके टिकाउ दर क्रमशः ८९ दशमलव ६ प्रतिशत आ ७७ दशमलव ९ प्रतिशत भेल जानकारी देलक अइछ । आधारभूत तथा माध्यमिक तहमे ७२ लाख १४ हजार ५२५ विद्यार्थी भर्ना भ अध्ययन क रहल सेहो आयोग जानकारी देलक अइछ । प्रारम्भिक बाल विकाश शिक्षामे नौ लाख ७४ बालबालिका अध्ययनरत छै । लैङ्गिक समता सूचकाङ्क आधारभूत तह आ माध्यमिक तहमे क्रमशः ० दशमलव ९८ आ १ दशमलव ०१ रहल आयोग जनौलक अइछ । विद्यालय दोहरौवा कक्षा १सँ ५ धैर आधारभूत तहमे ३ दशमलव ८ आ कक्षा ६सँ ८ धैर ४ दशमलव ४ तथा कक्षा ९ आ १०के माध्यमिक तहमे ३ दशमलव ७ पहुँचल अइछ ।

आयोग अनुसार एखन देशभैर सार्वजनिक आ निजी लगानीक ३५ हजार ५५ टा विद्यालय सञ्चालनमे छै । अभिभावकके लगानी परिचालन क निजी क्षेत्र नेपालके विद्यालय शिक्षामे करिब २३ प्रतिशत विद्यार्थीकेँ सेवा प्रवाह क रहल अइछ ।

वि.सं. २०६८के जनगणनामे १५ वर्षउपरके जनसङ्ख्याके साक्षरता ५८ प्रतिशत रहलापर आव २०७४/७५ मे १५सँ २४ वर्ष उमेर समूहके साक्षरता ८८ दशमलव ६ प्रतिशत पहुँचल अइछ । एखनधैर ५१ जिला साक्षर घोषणा भ चुकल आयोगद्वारा प्रकाशित प्रमुख आर्थिक सूचकके प्रयोग विधि पुस्तिकामे उल्लेख अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको