बदगामाम् बस दुर्घटना, तीन गोटाके मृत्यु, ६ घाइल


राजविराज, १४ बैशाख । सप्तरीक कञ्चनरुप नगरपालिका–१० बदगामामे रैब दिन भेल बस दुर्घटनामे तीन गोटाके मृत्यु भेल अइछ ।
पूर्व–पछिम राजमार्ग अन्तर्गत उदयपुरस’ विराटनगरस’ जा’रहल यात्रुबाहक बस (प्र १–०१–००१ ख ३४२०) अनियन्त्रित भ’कए पल्टी भेल अइछ । जइमे सप्तकोशी नगरपालिका–१ का ७५ वर्षीय रत्नबहादुर मगरातीके इलाजक क्रममे विराटनगरमे निधन भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी जनाओलक अइछ ।
तहिना, दुर्घटनामे पहिचान नइँ खुलल एक पुरुष आ एक महिला कइर दू गोटाके घटनास्थलमे मृत्यू भेल प्रहरी प्रमुख एसपी ढकेन्द्र खतिवडाले जानकारी देलक अइछ । मृतकके सनाखत प्रक्रिया जारी रहल आ हुनका सबहक शव गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पताल राजविराजमे राखल गेल अइछ ।
दुर्घटनामे सप्तकोशी नगरपालिका–१ के सुबेता दाहाल (२१), चेतना भट्टराई (२६), झापा–३ के मनोज भट्टराई आ मिना भट्टराई, उदयपुर चौढण्डीगढी नगरपालिका–५ के ५९ वर्षीया कमला भुसाल आ एक अज्ञात ७५ वर्षीय अज्ञात पुरुष कइर ६ गोटा घाइल भेल अइछ ।
मध्यान्ह १२ बजे भेल दुर्घटनामे घाइल भेल व्यक्तिसबके कञ्चनरुप नगरपालिका–१२ स्थित धर्मेश्वर अस्पतालमे प्रारम्भिक इलाज कएल गेल आ थप इलाजक लेल विराटनगर रेफर कएल गेल अइछ । इलाका प्रहरी कार्यालय कञ्चनपुरक प्रमुख डीएसपी माधव प्रसाद काफ्लेक नेतृत्वमे खटल टोली घाइलसबके उद्धार कएलक अइछ । बस चालक दुर्घटनाक बाद फरार रहल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको