टिकाउ आर्थिक विकास हेतु नीति सुधार आवश्यक: अर्थशास्त्री प्याकुरेल


काठमाण्डू, १५ वैशाख: अर्थशास्त्री प्रा डा विश्वम्भर प्याकुरेल नेपालके टिकाउ आर्थिक विकासक लेल नीति सुधारमे जोड़ देबाक आवश्यक रहल बताैलैन अइछ ।
इम्बार्क कलेजके इम्बार्क रिसर्च नेटवर्कद्वारा प्रकाशित पुस्तक ‘इम्बार्क रिसर्च रिभ्युः दिगो नेपालको बाटो–दिगोपन आ आर्थिक समावेशीकरणमा नेपालको नीतिगत चुनौतीहरू’के विमोचन कार्यक्रममे ओ एना बतौलैन अइछ ।
स्थिरता आ वित्तीय समावेशीकरण नीतिगत समाधानके रूपमे अनुसन्धान शीर्षकमे आयोजित बहस सत्रमे अर्थशास्त्री प्याकुरेल कहलैथ, “वित्तीय पहुँच आ समावेशीकरणकेँ प्रवर्धन करए लेल डिजिटल प्रविधि आ नवीन वित्तीय उपकरणसभके महत्व देखाबैत टिकाउ आर्थिक विकाशक लेल नीति सुधारमे जोड़ देबाक आवश्यक छै ।”
नेपाल धितोपत्र बोर्ड (सेबोन)क’ कार्यकारी निर्देशक डा नवराज अधिकारी, काठमाण्डू फिनटेकक’ संस्थापक डा सञ्जीव सुब्बा सहित उपस्थित बहस सत्र नेपालके आर्थिक विकाशमे वित्तीय समावेशीकरण आ स्थिरताके भूमिका स्पष्ट करैत नीतिगत दिशानिर्देशसभ तैयार करए महत्वपूर्ण सुझावसभ प्रदान केलक अइछ ।
ओहि अवसरपर, इम्बार्क कलेजक’ प्रिन्सिपल डा स्टिफन ड्रिभर, कलेजक’ कार्यकारी निर्देशक आशिष ठाकुर कलेजके उद्देश्य, शिक्षा आ अनुसन्धान मार्फत् टिकाउ नेपालके निर्माणमे कलेजके प्रतिबद्धता तथा युनिभर्सिटी अफ रोहम्प्टनसङके अन्तर्राष्ट्रीय सहकार्य आनल नयाँ नीति आ कार्यक्रमसभके महत्वबारे चर्चा कएलैन ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको