
सिरहा, १६ बैशाख: लहानक मुख्य चोकमे रहल शहिद स्मारककेँ स्थानान्तरण करबाक निर्णय लेल गेल अइछ। ई निर्णय राष्ट्रिय गौरवके आयोजनान्तर्गत कञ्चनपुर–कमला चाइर लेन सड़क निर्माण कार्यमे गति देबाक उद्देश्यसँ कएल गेल छै।
सोमदिन लहान नगरपालिकाक अग्रसरतामे जिला समन्वय समिति, प्रमुख जिला अधिकारी, जनता समाजवादी पार्टी नेपाल सहित सरोकारवाला पक्षसभक बीच भेल बातचितमे स्मारक व्यवस्थापनक सम्बन्धमे सर्वपक्षीय सहमति बनल।
सहमति अनुसार सड़कक बीचमे अवस्थित शहिद स्मारककेँ अस्थायी रूपसँ करीब दू सओ मिटर दक्षिण दिसा स्थित तरकारी बजार कम्प्लेक्स भवनक आगाँ स्थानान्तरण कएल जाएत। लहान नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी कहलैन, “लम्बा प्रयास आ निरन्तर बातचितक पश्चात चाइर लेन सड़क विस्तारमे अवरोध नै होए, तँए स्मारक स्थानान्तरण करबाक निर्णय लेल गेल छै। आब एकरा लेल कोनो बाधा नहिए रहत।” ओ कहलैन जे “सड़क निर्माण सम्पन्न भेला उपरान्त सालिककेँ पूर्ववर्ती स्थानमे पुनः व्यवस्थित ढंगसँ पुनःस्थापना कएल जाएत।”
कञ्चनपुर–कमला सड़क विस्तारक ठिक्का चिनियाँ निर्माण कम्पनी ‘चाइना रेलवे–२ इञ्जिनियरिङ ग्रुप’केँ चाइर वर्ष पहिने देल गेल छल, आ ओहि समयसँ कार्य जारी अइछ। लहानक मुख्य चोकमे मधेश आन्दोलनक शहिद रमेश महतो, विजय सहनी, प्रमोद सदा, बेचन यादव आ मोहम्मद अनिस अन्सारीक सम्झनामे निर्मित स्मारक ‘फ्लाइओभर’ आ ‘अन्डरपास’ निर्माणमे बाधा बनल छल।
स्मारक व्यवस्थापनक सहमति बनलासँ आब सड़क विस्तारक कार्य तीव्रगतिकेँ साथ बढ़त। आयोजनाक पश्चिम खण्ड (सिरहा)क प्राविधिक शाखाक सूचना अधिकारी तथा इञ्जिनियर सरोज कोइरालाक अनुसार मिर्चैयामे ‘ओभरपास’ निर्माण हेतू आवश्यक २४ पाइल फाउन्डेसनमेसँ १६ निर्माण भ चुकल अइछ, मुदा लहानक मुख्यचोक स्थित शहिद पार्क नै हटलासँ ओहि ठाम एकोटा पाइल फाउन्डेसन बनबा नै सकल छल।
सूचना अधिकारी कोइरालाक अनुसार, “स्मारक स्थानान्तरणक विषय लहान नगरपालिकाक ध्यानाकर्षण करा रहल छल। आब निर्णय भेलाक बाद निर्माण तीव्र रूपसँ शुरू होएत।”
कुशहासँ कमलाधैर ४७.४१ किलोमीटर पश्चिम खण्डक सड़क निर्माणमे हालधैर ६० प्रतिशत प्रगति भ चुकल छै। निर्माण कम्पनीक लक्ष्य अनुसार ई आयोजनाक कार्य सन् २०२५ डिसेम्बर ३१धैर सम्पन्न हएत। रासस