नागरिक उन्मुक्ति पार्टीक संरक्षक रेशम चौधरी पक्राउके बाद रिहा


काठमाण्डू, १७ वैशाख : आइ दुपहर पकड़ाएल नागरिक उन्मुक्ति पार्टी (नाउपा) क संरक्षक रेशम चौधरी रिहा भेल छैथ ।

सर्वोच्चके फैसला कार्यान्वयन निर्देशनालयक अधिकृत महिमानसिंह विष्टद्वारा लिखित अनधिकृत पत्रके आधारमे संरक्षक चौधरी पकड़ाएल आ एखन ओइ पत्र अनधिकृत भेल अदालत जानकारी करेलाक बाद रिहाई कएल गेल जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूक प्रवक्ता एवम् प्रहरी उपरीक्षक अपिलराज बोहरा जानकारी देलैन।

सर्वोच्च अदालत चौधरीकेँ थुनामुक्त करए कारागार कार्यालयय डिल्लीबजारकेँ पत्र पठौने छल ।

ओ कहलैथ, “नागरिक उन्मुक्ति पार्टीके संरक्षक चौधरीकेँ रिहाइ कएल गेल अइछ । अनधिकृत पत्र लेखैबला सर्वोच्चके फैसला कार्यान्वयन निर्देशनालयक अधिकृत महिमानसिंह विष्टकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।”

जनमत आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टीबीचके आइ कएल गेल एकता घोषणा कार्यक्रममे सहभागी होबाक क्रममे प्रज्ञा भवन परिसरसँ चौधरीकेँ गिरफ्तार कएने छल ।
रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको